Pages

मिथिलाक पर्यायी नाँवसभ

मिथिलाभाषाक (मैथिलीक) बोलीसभ

Powered By Blogger

Monday 5 March 2012

पद्य - ४४ - आयल होलीक दिन मतवारी



आयल  होलीक  दिन मतवारी
(गीत)

जमुना तट पर धूम मचल अछि, कुञ्ज – भवन   मे   हलचल ।
रंग – अबीर सँ लाल भेल आइ,  जमुना  केर   श्यामल – जल ।
मारय भरि – भरि कऽ पिचकारी ।
आयल  होलीक  दिन मतवारी ।।



आयल  होलीक  दिन मतवारी ।
चहु   दिशि  अनंग  सञ्चारी ।।



हर तरफ  बहय मलयानिल,
लए शीतल सुगन्धि चन्दन ।
सौंसे भूतल हरियर – सुन्नर,
हर  उपवन  जनु  नन्दन ।
मारय प्रकृति  जेना किलकारी ।
आयल  होलीक दिन मतवारी ।।



जमुना तट पर धूम मचल अछि,
कुञ्ज – भवन   मे   हलचल ।
रंग – अबीर सँ लाल भेल आइ,
जमुना  केर   श्यामल – जल ।
मारय भरि – भरि कऽ पिचकारी ।
आयल  होलीक  दिन मतवारी ।।



एक दिशि अछि  सभ ग्वाल – बाल,
दोसर   दिशि   सभ   ब्रजनारी ।
बीच  मे  हर्षित – मुदित  राधिका,
संग     मे    कृष्ण  –  मुरारी ।
भीजय  ब्रजबाला  केर  साड़ी ।
आयल  होलीक दिन मतवारी ।।



विदेहपाक्षिक मैथिली इ पत्रिका, वर्ष , मास ५१, अंक ‍१०१ , ‍०१ मार्च २०१२ मे “स्तम्भ ३॰७” मे प्रकाशित । 


No comments:

Post a Comment