कीनि दे हमरो खेलौना
(बालगीत) 
|  | 
| 
हमरो  कीनि 
दे  बार्बी  गुड़िया, 
डिज्नी  बला  खेलौना । 
               माए
गे माए ! कीनि दे हमरा खेलौना ।। | 
               माए गे माए !  कीनि दे हमरा खेलौना ।
कनिञा – पुतरा केर दिन
गेलै,  लेब ने  हम झुनझूऽऽना ।।
हम्मर  इसकुल 
केर संगी सभ,
जानि  ने   की
– की   लाबैए ।
“मैथिल बुड़िबक” कहि कऽ
हमरा,
ओ    सभ  
रोज   सिहाबैए ।
हमरो  कीनि 
दे  बार्बी  गुड़िया, 
डिज्नी  बला  खेलौना ।
               माए
गे माए ! कीनि दे हमरा खेलौना ।।
केओ उड़ाबए  हवाई – जहाज,
केओ  मोटर  केँ   दौड़ाबैए ।
केओ हाथ  बन्दूक 
लऽ घूमए,
विडियो – गेम     देखाबैए ।
सभहक  हाथ 
रिमोट  खेलौना,  हमरा 
लग  टुनमूऽऽना ।
               माए गे माए ! कीनि दे हमरा खेलौना
।।
धिया   भारती – सिया 
हमर,
आ  बौआ 
गौतम – मण्डन ।
धिया  हमर 
बुधियारि  बहुत,
आ  बौआ 
तेहने   सज्जन ।
जुनि कानू, मोन छोट करू
नञि, कीनि देब बहुते खेलौना ।
               माए गे माए ! कीनि दे हमरा खेलौना
।।
 

 
 
No comments:
Post a Comment