Pages

मिथिलाक पर्यायी नाँवसभ

मिथिलाभाषाक (मैथिलीक) बोलीसभ

Powered By Blogger

Saturday 2 November 2019

मिथिलाक "छठि" (छइठ, छैठ, छठी) आ बिहारक "छठ"मे अन्तर

मिथिलाक "छठि" (छइठ, छैठ, छठी) आ बिहारक "छठ"मे अन्तर




मिथिलाक "छठि" (छइठ, छैठ, छठी) आ बिहारक "छठ"मे समानता रहितहुँ बड़ असमानता छै :—

(१). मिथिलाक छठि एक बेर ठनलाक बाद प्रायः जिनगी भरि आ पुस्त-दरि-पुस्त चलितहिं रहैत अछि जखनि कि बिहारक छठ मनमर्जी अछि (मोन भेल तऽ एहि बेर कएलहुँ, अगिला बेर नञि आ फेर चारि साल बाद कऽ लेलहुं) ।

(२). मिथिलाक पवनैतिनक जँ कोनहु कारणसँ (अस्वस्थता, प्रसव आदि कारणसँ) उपास वा स्वयं पानिमे ठाढ़ भऽ हाथ उठाएब एक बेरि छूटि गेल तऽ प्रायः ओ उपास वा पानिमे ठाढ़ भऽ हाथ उठाएब दोबारा शुरू नञि होइछ मुदा अर्घ तइयो चलितहिं रहैत अछि, केओ दोसर गोटे हाथ उठा दैत छथिन्ह । बिहारमे एना नञि ।

(३). जन्माशौच, छुतका आदि भेला पर सेहो अर्घ पड़ितहिं टा अछि, भलहि भगिनमानहि केर आङन मे बनओ आ हाथ उठओ ।

(४). मिथिलामे अर्घ (अर्घ्य) केर संख्या घटैत नञि अछि, हरेक साल स्थिर रहैत अछि या बढ़ैत अछि आ एक बेरि बढ़ि गेलाक बाद घटैत नञि अछि । बिहारमे से नञि, मनमर्जी छै ।

(५). मिथिलाक छठिमे सांझुका ओ भोरुका अर्घक सामिग्री (ठकुआ, बुकबा/भुसबा आदि) एक्कहि रहैत अछि, जखनि कि बिहारक छठमे दूनू अर्घक लेल अलग-अलग पकवान बनैत अछि (जनतब देलन्हि - फेसबुक मित्र श्री मिथिलेश कुमार झाजी, कोलकातासँ) । ओना हमरा जनैत मिथिलाक ओ भाग जे पछिला 70-80 वर्षसँ केन्द्रीय मिथिलाक अपेक्षा पटना (मगध) ओ छपरा पट्टीसँ (छपरा, सीवान, गोपालगंजसँ) बेसी सम्पर्कमे रहल ओहि ठाम सेहो बिहारहि जेकाँ साँझुका ओ भोरुका अर्घक लेल अलग-अलग पकवान बनएबाक परम्परा आबि गेल अछि । मिथिलामे  भोरूका अर्घमे सांझुक अर्घक अपेक्षा दहीक अतिरिक्त समावेश रहैत अछि ।

(६). देवघरक मैथिल समाजमे छठि नञि मनाओल जाइत अछि (जनतब देलन्हि - फेसबुक मित्र श्री गंगानन्द झाजी, देवघरसँ) ।




Wednesday 23 October 2019

लव यू दुल्हिन (फिल्मक समीक्षा हमरा नजरिसँ)

लव यू दुल्हिन (फिल्मक समीक्षा हमरा नजरिसँ)


        “लव यू दुल्हिन” — लोकसभ कहि रहल छथि जे मल्टीप्लेक्स धरि पहुँचएबला ई पहिल मैथिली सिनेमा अछि । हम कहब जे मल्टीप्लेक्स धरि पहुँचि कऽ तीनि दिन दूटा हॉलमे हाउसफुल चलएबला ई पहिल मैथिली सिनेमा अछि । एहिसँ पहिने “ललका पाग” पटनाक पी. एन. मॉलकेर मल्टीप्लेक्समे लागि चुकल छल मुदा चलि नञि सकल ।





       फिल्मक पटकथा मध्यवर्गीय ग्रामिण मैथिल परिवारक अछि । नायक कोसी कातक छथि तऽ नायिका कमला-जीवछक बीचक । समएकेर नप्पा अर्थात टाइम स्केल पर पटकथाक गति सुस्त नञि अपितु कनेक तेज अछि । पिपनी मिलमिलबितहि सालक साल बीति जाइत अछि जे कि कथाक स्वभाविक प्रवाहक अनुरुपहि अछि । वास्तवमे कोनहु साहित्य वा सिनेमा दू टा विपरीत ध्रुव या धूरीक बीच तर-तम भावसँ विचरैत रहैत अछि । ओहि दूनू ध्रुव या धूरीक नाँओ अछि — “यथार्थ” ओ “कल्पना” । जे सिनेमा “यथार्थ” नामक धूरीक जतेक लगीच होएत से ओहि सिनेमाक पटकथामे वर्णित समाजक ओतबहि सूक्ष्म ओ स्टीक वर्णन करत । एहेन सिनेमाकेँ पटकथामे वर्णित समाजक ऐना या दर्पण कहल जाइत अछि । मुदा दुर्भाग्यसँ एहेन सिनेमा बॉक्स ऑफिसक बेसी सीढ़ी नञि चढ़ि पाबैत अछि आ निर्माणकर्ताकेँ विमुख कऽ दैत अछि । जँ कोनहु निर्माणकर्ता एहेन फिल्म बनबितहु छथि तऽ ओहि सिनेमाकेँ वितरक नञि भेटैत अछि आ फिल्म सिनेमा हॉलक मुंह नञि देखि पाबैत अछि । दोसर धूरी अर्थात ”कल्पना”, कोनहु सिनेमाकेँ ओकर पटकथामे वर्णित समाजक यथार्थसँ दूर कऽ दैत छैक । एहेन सिनेमा प्रायः लहक-चहक ओ मनोरञ्जनसँ परिपूर्ण रहैत छैक । प्रायः नीक धनोपार्जन करैत अछि मुदा किछु दर्शकक शिकायत रहैत छन्हि जे एहि तरहक सिनेमा समाजकेँ गलत चित्रित करैत अछि, से प्रायः उचितहि, मुदा हमरा अनुसारेँ एक सीमा धरि मात्र । प्रायः एकटा नीक ओ सफल सिनेमा वा साहित्य एहि दूनू ध्रुवक बीचमे रहैत अछि — दूनू ध्रुवक गुण-अवगुणकेँ उचित अनुपातमे समाहित कएने । “लव यू दुल्हिन” सेहो एकटा एहनहि फिल्म अछि, दूनू ध्रुवक बीचक फिल्म । एहि फिल्म केर गीतसभमे लहक-चहक केर बेस पुट छैक आ तेँ किछु दर्शकक आरोप छन्हि जे ई मैथिली फिल्मक भोजपूरीकरण थिक, ई चलचित्र मैथिल समाजकेँ चित्रित नञि करैत अछि । मुदा हमरा अनुसारेँ ई आरोप उचित नञि । ई फिल्म पूर्ण रूपसँ मैथिल समाजहिकेँ प्रदर्शित करैत अछि । फिल्मक पटकथा पूर्णतया मैथिल समाजक थीक । जाहि गीतसभक फ़िल्मांकनमे अर्धनग्नताक भाव अछि, से सभ गीत कल्पना वा सपनामे गाओल गेल अछि, जे स्पष्ट कहैत अछि कि मैथिल समाजमे एहि तरहक पहिरन-ओढ़न आम नञि अछि । तथापि एकटा गीतमे साया-आँगीमे (पेटीकोट-ब्लाउजमे) नाच दर्शकक आरोपक आंशिक पुष्टि अवश्य करैत अछि आओर परिवारक संग फिल्म देखबामे व्यवधानकारक भऽ सकैछ ।
हिन्दी फ़िल्म "दिलवाले दुल्हनियां ले जाएंगे"केर पहिल गीतमे
अभिनेत्री "काजोल"
मुदा ई भोजपूरीकरण नञि थीक, ई बॉलीवुडकेर ग्लैमरक प्रभाव थीक । जे मैथिल समाज सपरिवार हिन्दी फ़िल्म ”दिलवाले दुल्हनियां ले जाएंगे” केर पहिल गीत देखि सकैत अछि आ ओकरा आदर्श पारिवारिक फिल्म मानि अनुकरण कऽ सकैत अछि, जाहि मैथिल समाजक सिनेमा हॉल/मल्टीप्लेक्समे भोजपुरी सिनेमा सुपर हिट होइत अछि, तकर सुआदक अनुसार देल गेल पुट छी । एहि ठाम बता दी जे ई फिल्म “अ” (U) श्रेणीक नञि अपितु “अ/व” (U/A) श्रेणीक अछि जकर मतलब होइत अछि जे 12 सालसँ कम वएसक दर्शकक लेल ओकर अभिभावकक उचित परामर्श ओ संग हएब आवश्यक।
मैथिली फिल्म "लव यू दुल्हिन"मे अभिनेता "अमिय कश्यप" आ अभिनेत्री "पूजा पाठक"




मैथिली फिल्म "लव यू दुल्हिन"मे अभिनेता "आलोक कुमार" आ अभिनेत्री "इनु श्री"

     मै सिनेमा “लव यू दुल्हिन” स्त्रीगणक मनोभावक चित्रण करबामे बहुत नीक रुपेँ सफल भेल अछि आ अपन नामक लाज रखलक अछि । कुमारि मैथिल बालाक सहज, चंचल, कोमल  मनोभाव ओ विवाहित स्त्रीक धीर-गम्भीर, व्यवस्थित, उत्तरदायी मनोवृत्ति — दूनूक प्रदर्शन बहुत नीक जेकाँ भेल अछि । नायिका, नायक ओ हुनिक परिवारक सदस्यलोकनि पारम्परिक मैथिल अवश्य छथि संगहि उचित आधुनिक विकासवादी विचारधाराक समावेशी सेहो । एहि चलचित्रक सम्बन्धमे किछु एहने सनि विचार श्रीमति शेफालिका वर्माजीक सेहो सोझाँ आएल अछि । ई फिल्म निश्चित रूपसँ एकटा नायिका प्रधान फिल्म अछि ।



मैथिली फिल्म "लव यू दुल्हिन"मे नायक "विकास झा" ओ नायिका "प्रतिभा पांडे"



       मैथिल समाजसँ जुड़ल करीब आधा दर्जन समस्याकेँ एहि फिल्ममे उठाओल गेल अछि आ तकर सम्भावित निराकरण सेहो देखाओल गेल अछि । मिथिलाक भूगोल आ बाढ़ि, अन्योन्याश्रय सम्बन्ध आ ताहूमे कोसी माए । सन् 2008 ई.मे कोसीक कुसहा बान्ह टुटबाक सामाजिक ओ राजनैतिक सम्बन्ध फिल्ममे देखाओल गेल अछि आ एकर दुखदायी पक्ष फिल्मक पटकथामे यू-टर्न आनैत अछि । फिल्ममे बाढ़िक समएमे सरकारी यन्त्रक असंवेदनशीलता, शराबबंदी, खुलामे शौच रखबा लेल शिक्षक लोकनिक नियुक्त्ति आदि पर सेहो कटाक्ष देखबा लेल भेटैछ । फ़िल्ममे बहुतहि उतार-चढ़ाव अछि तथापि फिल्म सुखान्त अछि ।

मैथिली फिल्म "लव यू दुल्हिन"में नायकक भूमिकामे "विकास झा" आओर खलनायकक भूमिकामे "अमिय कश्यप" तथा
आन सहयोगी कलाकार लोकनि





   एहि सिनेमामे राम ओ रावण अर्थात नायक ओ खलनायक दूनू पितियौत भाए रहैत छथि । दूनू गोटेक संवाद मैथिलीअहिमे अछि मुदा बजबाक टोन/बोली (PHOENETIC TONES / DIALECTS) भिन्न-भिन्न अछि । किछु लोककेँ ई उचित नञि लगलन्हि, तऽ से स्वभाविकहि । मुदा हमरा से अभाँत नञि लागल । हम मानि लेल जे दूनू पितियौतमेसँ एक नेनपनमे बेसी काल अपन मातृकहिमे रहलाह जाहि ठामक मैथिली बजबाक टोन हुनक पैतृकक मैथिलीक टोनसँ अलग छल । एहि तथ्यकेँ पटकथा लेखक ओ निर्देशक शायद समयाभावक कारण नञि देखाए सकलाह । एहि फिल्ममे मैथिली भाषाक तीनि-चारिटा टोन वा बोलीक प्रयोग भेल अछि से हमरा बहुत नीक लागल । कोनहु भाषाक साहित्य ओ सिनेमामे ओहि भाषाक विभिन्न टोन या बोलीक प्रयोग ओहि भाषाक व्यापकता ओ समृद्धिक द्योतक होइत अछि ।

       एकटा अन्त्याक्षरी गीत ओ एकटा मुजराकेँ छोड़ि एहि फिल्मक शेष सभटा गीत विशुद्ध मैथिलीमे अछि आ बहुत सुन्दर कर्णप्रिय संगीतक संग । मुजराबाली बाहरसँ बजाओल गेलि तेँ हिन्दीमे गाओलि । अन्त्याक्षरी गीत नवतूरसभ हिन्दी फ़िल्मी गीतसभक पैरोडी मैथिलीमे गाबैत अछि जकर पुर्णाहुति करैत अन्ततः मैथिली गीत “शुभे हे शुभे” गाओल जाइत अछि । बिआहसँ पहिने कनिञाकेँ हरदि लगएबाक बिध केन्द्रिय मिथिलाक मैथिल ब्राह्मणमे नञि अछि मुदा शेष मिथिलामे अछि ओ मिथिलाक आन जातिसभमे सम्पुर्ण मिथिलामे अछि, तेँ एहि आधारेँ ई बिध फिल्ममे देखाएब उचित लागल । एहि ठाम एकटा गप्प आओरहु कहि दी जे फिल्ममे नायकक गाम “तरौनी” यात्रीजीक “तरौनी” नञि अछि, कारण जे यात्रीजीक तरौनीकेँ कुसहाक बान्हि ओ कोसीक बाढ़िसँ कोनहु सम्बन्ध नञि ।
मैथिली फिल्म "लव यू दुल्हिन"मे अभिनेता "शुभ नारायण झा" ओ "अमित कश्यप" 

मैथिली फिल्म "लव यू दुल्हिन"मे चरित्र अभिनेता ओ अभिनेत्री "विजय मिश्र" तथा "मुकुल लाल"


        ई फिल्म — अभिनय ओ तकनीकक प्रयोग — दूनूमे बहुत बढ़िञा अछि । नायक, खलनायक, नायिका, सहनायिका, चरित्र अभिनेता/अभिनेत्री तथा आन सहकलकार आदि सभगोटे अपन-अपन उत्कृष्ट अभिनय क्षमताक प्रदर्शन कएलन्हि अछि । फ़िल्मांकन/छायांकन, ध्वनि मुद्रण, प्रकाश समायोजन आदि सभ बहुत नीक अछि, कतहु ध्वनि वा चित्रक अस्पष्टता नञि बुझना जाएत । निश्चित रूपेँ एहि फिल्म टीमक सभ सदस्य बेस मेहनति ओ लगनसँ काज कएलन्हि अछि । एहि फिल्ममे लीखित रूपमे जे किछु वैधानिक चेताओनी देखाओल गेल अछि से विशुद्ध मैथिली भाषामे अछि, नञि कि अंग्रेजी वा हिन्दीमे ।



        दिल्लीक विकाशपुरी आ रोहिणी केर PVR MULTIPLEX मे फिल्मकेर प्रदर्शन वास्तवमे एकटा PILOT PROJECT/EXPERIMENT छल जे आन ठाम एहि फिल्मकेर प्रदर्शनक लेल बंसीक तरेगाक काज करैत । चुँकि PILOT PROJECT सँ शुभ संकेत भेटल अछि, तेँ उम्मीद अछि जे ई फिल्म भारवर्षक मैथिलबहुल क्षेत्रमे व्यापक स्तरपर लागत ओ आगामी आन मैथिली फिल्म सभक लेल सफलताक बाट प्रशस्त करत । शुभस्तु ।

समीक्षित फिल्म — लव यू दुल्हिन (LOVE U DULHIN)
भाषा — मैथिली (MAITHILI)
केन्द्रीय फिल्म प्रमाणन बोर्ड श्रेणी — अ/व (U/A)
बैनर — श्री रामजानकी फ़िल्म्स
निर्माता — विष्णु पाठक आओर रजनीकांत पाठक
निर्देशक — मनोज श्रीपति
अभिनेता ओ अभिनेत्री — विकास झा, अमिय कश्यप, आलोक कुमार, प्रतिभा पांडे, पूजा पाठक, इनु श्री, विजय मिश्र, मुकुल लाल, शुभनारायण झा तथा अन्य ।
गीतकार — सुधीर कुमार, विक्की झा, प्रकाश चन्द्र खां (मनोज)
संगीतकार — धनंजय मिश्र
गायक आऽ गायिका — कल्पना, इंदु सोनाली, विकास झा, आलोक कुमार, प्रियंका सिंह, देवानन्द झा





समीक्षक — डॉ. शशिधर कुमर।