Pages

मिथिलाक पर्यायी नाँवसभ

मिथिलाभाषाक (मैथिलीक) बोलीसभ

Powered By Blogger

Wednesday 23 October 2019

लव यू दुल्हिन (फिल्मक समीक्षा हमरा नजरिसँ)

लव यू दुल्हिन (फिल्मक समीक्षा हमरा नजरिसँ)


        “लव यू दुल्हिन” — लोकसभ कहि रहल छथि जे मल्टीप्लेक्स धरि पहुँचएबला ई पहिल मैथिली सिनेमा अछि । हम कहब जे मल्टीप्लेक्स धरि पहुँचि कऽ तीनि दिन दूटा हॉलमे हाउसफुल चलएबला ई पहिल मैथिली सिनेमा अछि । एहिसँ पहिने “ललका पाग” पटनाक पी. एन. मॉलकेर मल्टीप्लेक्समे लागि चुकल छल मुदा चलि नञि सकल ।





       फिल्मक पटकथा मध्यवर्गीय ग्रामिण मैथिल परिवारक अछि । नायक कोसी कातक छथि तऽ नायिका कमला-जीवछक बीचक । समएकेर नप्पा अर्थात टाइम स्केल पर पटकथाक गति सुस्त नञि अपितु कनेक तेज अछि । पिपनी मिलमिलबितहि सालक साल बीति जाइत अछि जे कि कथाक स्वभाविक प्रवाहक अनुरुपहि अछि । वास्तवमे कोनहु साहित्य वा सिनेमा दू टा विपरीत ध्रुव या धूरीक बीच तर-तम भावसँ विचरैत रहैत अछि । ओहि दूनू ध्रुव या धूरीक नाँओ अछि — “यथार्थ” ओ “कल्पना” । जे सिनेमा “यथार्थ” नामक धूरीक जतेक लगीच होएत से ओहि सिनेमाक पटकथामे वर्णित समाजक ओतबहि सूक्ष्म ओ स्टीक वर्णन करत । एहेन सिनेमाकेँ पटकथामे वर्णित समाजक ऐना या दर्पण कहल जाइत अछि । मुदा दुर्भाग्यसँ एहेन सिनेमा बॉक्स ऑफिसक बेसी सीढ़ी नञि चढ़ि पाबैत अछि आ निर्माणकर्ताकेँ विमुख कऽ दैत अछि । जँ कोनहु निर्माणकर्ता एहेन फिल्म बनबितहु छथि तऽ ओहि सिनेमाकेँ वितरक नञि भेटैत अछि आ फिल्म सिनेमा हॉलक मुंह नञि देखि पाबैत अछि । दोसर धूरी अर्थात ”कल्पना”, कोनहु सिनेमाकेँ ओकर पटकथामे वर्णित समाजक यथार्थसँ दूर कऽ दैत छैक । एहेन सिनेमा प्रायः लहक-चहक ओ मनोरञ्जनसँ परिपूर्ण रहैत छैक । प्रायः नीक धनोपार्जन करैत अछि मुदा किछु दर्शकक शिकायत रहैत छन्हि जे एहि तरहक सिनेमा समाजकेँ गलत चित्रित करैत अछि, से प्रायः उचितहि, मुदा हमरा अनुसारेँ एक सीमा धरि मात्र । प्रायः एकटा नीक ओ सफल सिनेमा वा साहित्य एहि दूनू ध्रुवक बीचमे रहैत अछि — दूनू ध्रुवक गुण-अवगुणकेँ उचित अनुपातमे समाहित कएने । “लव यू दुल्हिन” सेहो एकटा एहनहि फिल्म अछि, दूनू ध्रुवक बीचक फिल्म । एहि फिल्म केर गीतसभमे लहक-चहक केर बेस पुट छैक आ तेँ किछु दर्शकक आरोप छन्हि जे ई मैथिली फिल्मक भोजपूरीकरण थिक, ई चलचित्र मैथिल समाजकेँ चित्रित नञि करैत अछि । मुदा हमरा अनुसारेँ ई आरोप उचित नञि । ई फिल्म पूर्ण रूपसँ मैथिल समाजहिकेँ प्रदर्शित करैत अछि । फिल्मक पटकथा पूर्णतया मैथिल समाजक थीक । जाहि गीतसभक फ़िल्मांकनमे अर्धनग्नताक भाव अछि, से सभ गीत कल्पना वा सपनामे गाओल गेल अछि, जे स्पष्ट कहैत अछि कि मैथिल समाजमे एहि तरहक पहिरन-ओढ़न आम नञि अछि । तथापि एकटा गीतमे साया-आँगीमे (पेटीकोट-ब्लाउजमे) नाच दर्शकक आरोपक आंशिक पुष्टि अवश्य करैत अछि आओर परिवारक संग फिल्म देखबामे व्यवधानकारक भऽ सकैछ ।
हिन्दी फ़िल्म "दिलवाले दुल्हनियां ले जाएंगे"केर पहिल गीतमे
अभिनेत्री "काजोल"
मुदा ई भोजपूरीकरण नञि थीक, ई बॉलीवुडकेर ग्लैमरक प्रभाव थीक । जे मैथिल समाज सपरिवार हिन्दी फ़िल्म ”दिलवाले दुल्हनियां ले जाएंगे” केर पहिल गीत देखि सकैत अछि आ ओकरा आदर्श पारिवारिक फिल्म मानि अनुकरण कऽ सकैत अछि, जाहि मैथिल समाजक सिनेमा हॉल/मल्टीप्लेक्समे भोजपुरी सिनेमा सुपर हिट होइत अछि, तकर सुआदक अनुसार देल गेल पुट छी । एहि ठाम बता दी जे ई फिल्म “अ” (U) श्रेणीक नञि अपितु “अ/व” (U/A) श्रेणीक अछि जकर मतलब होइत अछि जे 12 सालसँ कम वएसक दर्शकक लेल ओकर अभिभावकक उचित परामर्श ओ संग हएब आवश्यक।
मैथिली फिल्म "लव यू दुल्हिन"मे अभिनेता "अमिय कश्यप" आ अभिनेत्री "पूजा पाठक"




मैथिली फिल्म "लव यू दुल्हिन"मे अभिनेता "आलोक कुमार" आ अभिनेत्री "इनु श्री"

     मै सिनेमा “लव यू दुल्हिन” स्त्रीगणक मनोभावक चित्रण करबामे बहुत नीक रुपेँ सफल भेल अछि आ अपन नामक लाज रखलक अछि । कुमारि मैथिल बालाक सहज, चंचल, कोमल  मनोभाव ओ विवाहित स्त्रीक धीर-गम्भीर, व्यवस्थित, उत्तरदायी मनोवृत्ति — दूनूक प्रदर्शन बहुत नीक जेकाँ भेल अछि । नायिका, नायक ओ हुनिक परिवारक सदस्यलोकनि पारम्परिक मैथिल अवश्य छथि संगहि उचित आधुनिक विकासवादी विचारधाराक समावेशी सेहो । एहि चलचित्रक सम्बन्धमे किछु एहने सनि विचार श्रीमति शेफालिका वर्माजीक सेहो सोझाँ आएल अछि । ई फिल्म निश्चित रूपसँ एकटा नायिका प्रधान फिल्म अछि ।



मैथिली फिल्म "लव यू दुल्हिन"मे नायक "विकास झा" ओ नायिका "प्रतिभा पांडे"



       मैथिल समाजसँ जुड़ल करीब आधा दर्जन समस्याकेँ एहि फिल्ममे उठाओल गेल अछि आ तकर सम्भावित निराकरण सेहो देखाओल गेल अछि । मिथिलाक भूगोल आ बाढ़ि, अन्योन्याश्रय सम्बन्ध आ ताहूमे कोसी माए । सन् 2008 ई.मे कोसीक कुसहा बान्ह टुटबाक सामाजिक ओ राजनैतिक सम्बन्ध फिल्ममे देखाओल गेल अछि आ एकर दुखदायी पक्ष फिल्मक पटकथामे यू-टर्न आनैत अछि । फिल्ममे बाढ़िक समएमे सरकारी यन्त्रक असंवेदनशीलता, शराबबंदी, खुलामे शौच रखबा लेल शिक्षक लोकनिक नियुक्त्ति आदि पर सेहो कटाक्ष देखबा लेल भेटैछ । फ़िल्ममे बहुतहि उतार-चढ़ाव अछि तथापि फिल्म सुखान्त अछि ।

मैथिली फिल्म "लव यू दुल्हिन"में नायकक भूमिकामे "विकास झा" आओर खलनायकक भूमिकामे "अमिय कश्यप" तथा
आन सहयोगी कलाकार लोकनि





   एहि सिनेमामे राम ओ रावण अर्थात नायक ओ खलनायक दूनू पितियौत भाए रहैत छथि । दूनू गोटेक संवाद मैथिलीअहिमे अछि मुदा बजबाक टोन/बोली (PHOENETIC TONES / DIALECTS) भिन्न-भिन्न अछि । किछु लोककेँ ई उचित नञि लगलन्हि, तऽ से स्वभाविकहि । मुदा हमरा से अभाँत नञि लागल । हम मानि लेल जे दूनू पितियौतमेसँ एक नेनपनमे बेसी काल अपन मातृकहिमे रहलाह जाहि ठामक मैथिली बजबाक टोन हुनक पैतृकक मैथिलीक टोनसँ अलग छल । एहि तथ्यकेँ पटकथा लेखक ओ निर्देशक शायद समयाभावक कारण नञि देखाए सकलाह । एहि फिल्ममे मैथिली भाषाक तीनि-चारिटा टोन वा बोलीक प्रयोग भेल अछि से हमरा बहुत नीक लागल । कोनहु भाषाक साहित्य ओ सिनेमामे ओहि भाषाक विभिन्न टोन या बोलीक प्रयोग ओहि भाषाक व्यापकता ओ समृद्धिक द्योतक होइत अछि ।

       एकटा अन्त्याक्षरी गीत ओ एकटा मुजराकेँ छोड़ि एहि फिल्मक शेष सभटा गीत विशुद्ध मैथिलीमे अछि आ बहुत सुन्दर कर्णप्रिय संगीतक संग । मुजराबाली बाहरसँ बजाओल गेलि तेँ हिन्दीमे गाओलि । अन्त्याक्षरी गीत नवतूरसभ हिन्दी फ़िल्मी गीतसभक पैरोडी मैथिलीमे गाबैत अछि जकर पुर्णाहुति करैत अन्ततः मैथिली गीत “शुभे हे शुभे” गाओल जाइत अछि । बिआहसँ पहिने कनिञाकेँ हरदि लगएबाक बिध केन्द्रिय मिथिलाक मैथिल ब्राह्मणमे नञि अछि मुदा शेष मिथिलामे अछि ओ मिथिलाक आन जातिसभमे सम्पुर्ण मिथिलामे अछि, तेँ एहि आधारेँ ई बिध फिल्ममे देखाएब उचित लागल । एहि ठाम एकटा गप्प आओरहु कहि दी जे फिल्ममे नायकक गाम “तरौनी” यात्रीजीक “तरौनी” नञि अछि, कारण जे यात्रीजीक तरौनीकेँ कुसहाक बान्हि ओ कोसीक बाढ़िसँ कोनहु सम्बन्ध नञि ।
मैथिली फिल्म "लव यू दुल्हिन"मे अभिनेता "शुभ नारायण झा" ओ "अमित कश्यप" 

मैथिली फिल्म "लव यू दुल्हिन"मे चरित्र अभिनेता ओ अभिनेत्री "विजय मिश्र" तथा "मुकुल लाल"


        ई फिल्म — अभिनय ओ तकनीकक प्रयोग — दूनूमे बहुत बढ़िञा अछि । नायक, खलनायक, नायिका, सहनायिका, चरित्र अभिनेता/अभिनेत्री तथा आन सहकलकार आदि सभगोटे अपन-अपन उत्कृष्ट अभिनय क्षमताक प्रदर्शन कएलन्हि अछि । फ़िल्मांकन/छायांकन, ध्वनि मुद्रण, प्रकाश समायोजन आदि सभ बहुत नीक अछि, कतहु ध्वनि वा चित्रक अस्पष्टता नञि बुझना जाएत । निश्चित रूपेँ एहि फिल्म टीमक सभ सदस्य बेस मेहनति ओ लगनसँ काज कएलन्हि अछि । एहि फिल्ममे लीखित रूपमे जे किछु वैधानिक चेताओनी देखाओल गेल अछि से विशुद्ध मैथिली भाषामे अछि, नञि कि अंग्रेजी वा हिन्दीमे ।



        दिल्लीक विकाशपुरी आ रोहिणी केर PVR MULTIPLEX मे फिल्मकेर प्रदर्शन वास्तवमे एकटा PILOT PROJECT/EXPERIMENT छल जे आन ठाम एहि फिल्मकेर प्रदर्शनक लेल बंसीक तरेगाक काज करैत । चुँकि PILOT PROJECT सँ शुभ संकेत भेटल अछि, तेँ उम्मीद अछि जे ई फिल्म भारवर्षक मैथिलबहुल क्षेत्रमे व्यापक स्तरपर लागत ओ आगामी आन मैथिली फिल्म सभक लेल सफलताक बाट प्रशस्त करत । शुभस्तु ।

समीक्षित फिल्म — लव यू दुल्हिन (LOVE U DULHIN)
भाषा — मैथिली (MAITHILI)
केन्द्रीय फिल्म प्रमाणन बोर्ड श्रेणी — अ/व (U/A)
बैनर — श्री रामजानकी फ़िल्म्स
निर्माता — विष्णु पाठक आओर रजनीकांत पाठक
निर्देशक — मनोज श्रीपति
अभिनेता ओ अभिनेत्री — विकास झा, अमिय कश्यप, आलोक कुमार, प्रतिभा पांडे, पूजा पाठक, इनु श्री, विजय मिश्र, मुकुल लाल, शुभनारायण झा तथा अन्य ।
गीतकार — सुधीर कुमार, विक्की झा, प्रकाश चन्द्र खां (मनोज)
संगीतकार — धनंजय मिश्र
गायक आऽ गायिका — कल्पना, इंदु सोनाली, विकास झा, आलोक कुमार, प्रियंका सिंह, देवानन्द झा





समीक्षक — डॉ. शशिधर कुमर।