Pages

मिथिलाक पर्यायी नाँवसभ

मिथिलाभाषाक (मैथिलीक) बोलीसभ

Powered By Blogger

Friday, 25 March 2016

पद्य - ‍१६‍९ - मएना (बाल कविता)

मएना (बाल कविता)




पीयर लोल  आ  पीयर टाङ्गक,
चिड़ै    नाम    छै    मएना ।
दाना   चुनबा   लेल    आबैए,
कुदकए-फुदकए  भरि अङ्गना ।।

देह  ओकर   भूरा  रङ्गक  छै,
माथ   आ   नाङ्गरि   कारी ।
मनुखक   डऽर   लेशमात्रे   टा,
ढीठ    चिड़ै    बड़    भारी ।।

बगरा बिलटल,  आब रहल  बस,
घर - आङ्गन  कौआ - मएना ।
इएह  चिड़ै  दू   बाँचल  जकरा,
चीन्हए     पहिने      नेना ।।

एकरहि  एक   विशेष   प्रजाति,
छी   नाम   “पहाड़क मएना” ।*‍१
एकरा    सभसँ    छी   अलगे,
मैथिलीक     “पहाड़ी मएना” ।।

ओ  जे  “पहाड़ केर मएना”  से,
अपना   दिशि   कहाँ   भेटैए ?
एहि   साधारण  मएनासँ   ओ,
एकदम    भिन्न     लागैए ।।

ओना  विश्वमे  मएना  केर  छै,
बहुतहि      विषम     समूह ।
अपना   दिशि   एहने    भेटैछ,
सभ   जातिक   चर्च   दुरूह ।।*‍२


संकेत आ किछु रोचक तथ्य -

*‍१ - अंग्रेजीक केर HILL MYNA हिन्दी अनुवाद थिक “पहाड़ी मैना” । परञ्च मैथिलीमे “पहाड़ी मएना” एकटा आन चिड़ै लेल प्रयुक्त होइत अछि जकरा हिन्दीमे “पीलक” कहल जाइत अछि । हिन्दीक “पीलक” चिड़ै लेल मैथिली नाम “पहाड़ी मएना” मएनाक प्रकार होयबाक कारण नञि अपितु मएना सदृश आकार - सुकार होयबाक कारण पड़ल अछि; तेँ एकरा अनुवाद नञि बूझि “रूढ़िसंज्ञक शब्द” बूझबाक चाही । अंग्रेजीक HILL MYNA लेल मैथिली अनुवाद “पहाड़ी मएना” नञि कऽ जञो “पहाड़ीक मएना” या “पहाड़क मएना” कएल जाए तँऽ बेशी उपयुक्त होयत आ कोनहु भ्रमसँ बाँचल रहत । एहि ठाम हम सएह कएल अछि । HILL MYNA केर जैववैज्ञानिक नाँओ Gracula religiosa अछि । ई अपना दिशि नञि भेटैत अछि ।

*‍२ - व्यापक रूपसँ स्टॉर्लिङ्ग कुलक (Starling family or Family - Sturnidae) सभ जातिक (लगभग ३० टा जाति) चिड़ैकेँ “मएना” मानल गेल अछि । हर तरहक मएनाक वर्णन एहि ठाम सम्भव नञि, तेँ मात्र देशी मएना (जे कि अपना ओहि ठाम सालो भरि रहैछ) केर वर्णन कएल गेल अछि ।



मैथिली पाक्षिक इण्टरनेट पत्रिका “विदेह” केर ‍197म अंक (‍01 मार्च 2016) (वर्ष 9, मास 99, अंक ‍197) केर “बालानां कृते” स्तम्भमे प्रकाशित ।


No comments:

Post a Comment