Pages

मिथिलाक पर्यायी नाँवसभ

मिथिलाभाषाक (मैथिलीक) बोलीसभ

Powered By Blogger

Friday 3 June 2016

पद्य - ‍१८० - बगेरी या बगेड़ी (बाल कविता)

बगेरी या बगेड़ी (बाल कविता)



बगरा सनि ओ  छै देखबामे,
पर  ओ  बगरा  नञि  छै ।
नहिञे  बगरी  पिउरा माथक,
 बगेरी   कहबै   छै ।।*

बाधमे बिजुरीक ताड़क ऊपर,
बैसल     प्रायः    देखबै ।
खेतक आढ़ि-बान्ह  पर सेहो,
बैसल   कखनो    देखबै ।।*

नर - बगेरी उड़बाक कालमे,
गाबैत छै  अपना  स्वरमे ।*
धरती पर खोंता ओ बनबय,
खरही   खऽढ़क  भीतरमे ।।*

बंगाली  चातक  कहैत छथि,
अहँ  चातक  नञि बुझियौ ।
ई  छी   “बगेरी  मैथिलीक,
एकरा जुनि चातक कहियौ ।।*

कोइली  शिशु-भरण परजीवी,
एकरहु   खूब    छकाबैछ ।
कौआ  सनि  एकरहु खोंतामे,
नुका  कऽ  अण्डा  पाड़ैछ ।।*

गौरसँ देखबै, एकर माथ पर,
कलगी सनि  किछु लागैछ ।
नञि  से  बगरा - बगरीमे,
बगेरी   अलगहि  भाखैछ ।।*




संकेत आ किछु रोचक तथ्य -
* - बगरा (बगड़ा), बगरी (बगड़ी) आ बगेरी (बगेड़ी) तीनू अलग चिड़ै केर नाम अछि-

मैथिली नाँओ
हिन्दी नाँओ
संस्कृत नाँओ
अंग्रेजी नाँओ
जैववैज्ञानिक नाँओ
बगरा या बगड़ा
गौरैया
कलविङ्क, चटक
SPARROW
Passer spp.
बगेरी या बगेड़ी
चकता या लावा पक्षी
भारद्वाज पक्षी
LARK, SKYLARK, esp. EURASIAN SKYLARK
Alauda arvensis
बगरी या बगड़ी
बया
पीतमुण्ड कलविङ्क
BAYA WEAVER, WEAVER BIRD
Baya philipinnus

ई तीनू चिड़ै बगड़ा गण (Order - PASSERIFORMES) केर सदस्य अछि आ तेँ एकरंगाह सनि लगैत अछि । एकरा सामान्य अंग्रेजीमे पॅसेराइन बर्ड्स (PASSERINE BIRDS) सेहो कहल जाइत अछि । एहि गण (ORDER) केर चिड़ै सभक चाङ्गुर (CLAW) केर बनावटमे विशेष प्रकारक रहैछ जाहिमे तीन टा औंठा (TOE/S) आगाँ दिशि आ एक टा पाछाँ दिशि रहैत अछि । वास्तवमे ई चिड़ैसभक सभसँ पैघ गण थिक जाहिमे चिड़ै सभक ज्ञात जातिक (SPECIES) करीब आधासँ बेशी जाति समाविष्ट अछि । ई समस्त रीढ़धारी जीव (VERTEBRATES) केर सभसँ वैविध्यपुर्ण गण (MOST DIVERSE ORDER) सेहो अछि जाहिमे चिड़ैसभक पाँच हजारसँ बेशी जातिक (>5000 SPECIES) समावेश अछि ।

* * - ई चिड़ै प्रायः बाधमे बिजलीक ताड़ पर (एकसरि वा सुगवा सीकी, मएना, सिरौली आदि चिड़ै केर संगमे) या फेर बान्ह, आढ़ि, धूर आदि पर बैसल भेटत । प्रारम्भिक नजरिमे ई चिड़ै बगराक कोनहु प्रभेद बुझि पड़ैछ । परञ्च ध्यानसँ देखला पर एकर माथ, गर्दनि ओ चाङ्गुरमे औंठाक संरचना किछु अलग आ विशिष्ट बुझि पड़त ।

·        माथ पर एक टा छोट-क्षीण कलगीनुमा (SHORT BLUNT CREST) संरचना होइत अछि जे चिड़ै केर अपना इच्छाक मोताबिक उठाओल या खसाओल जा सकैछ ।

·        गर्दनि घुमओला पर ओकर गर्दनिक पाँखि शेष धऽड़ केर ऊपर एकटा टोपी सनि राखल बुझि पड़ैछ (देखू उपरुका चित्रमे) ।

·        चाङ्गुरक पछिल औंठाक नऽह बहुत बेशी पैघ (नमगर) रहैछ (देखू उपरुका चित्रमे) ।


एकर टाङ्ग बहुत मजगूत होइत अछि आ तेँ ओ बेशी काल जमीनहि पर चलैत-दौड़ैत भेटत । ओकर मटियाही रंग जमीन पर ओकरा लेल छद्मावरण या छलावरण (CAMOUFLAGE) केर काज करैछ ।


* - पुरुष/नर बगेरी/बगेड़ी अपना स्वरमे गाबैत अछि आ से गायन प्रायः आकाशमे उड़ैत काल होइत अछि ।

* - बगेरी अपन खोंता गाछक डाढ़ि पर नञि बनबैत अछि । ओ खढ़-खरही आदिक अऽढ़मे जमीनहि पर घाससँ खोंता बनबैत अछि ।

*- बंगालीमे चातक शब्द अंग्रेजीक स्काइलार्क (SKYLARK) (Alauda spp.) चिड़ै लेल सेहो प्रयुक्त होइत अछि पर मैथिलीमे कदापि नञि । बंगालीमे एहि तरहक प्रयोगक (वा भ्रमित प्रयोगक)  निम्न कारण अछि -

·        चातक ओ बगेरी दुहुक माथ पर कलगी वा कलगीनुमा संरचनाक होयब

·        दुहु चिड़ैमे गायनक प्रवृत्ति होयब

·        चातक केर उपस्थिति अपेक्षाकृत बहुत कम होयब आ ताहूमे दिनमे प्रायः नञि देखाई देब

·        बहुधा साहित्यमे गायनक प्रयोजनसँ चातक ओ पपीहाकेँ एक मानि लेब, आदि ।


*- कौअहि जेकाँ बगेरीक खोंतामे सेहो कोइली, पपीहा, चातक आदि चिड़ै (शिशुभरण परजीवी चिड़ै) नुका - चोड़ा कऽ अपन अण्डा दैत अछि । (विशेष देखू - कोइलीक पाद टिप्पणीमे) ।


          गायक पक्षी (SONG BIRDS / SINGING BIRDS) केर रूपमे अंग्रजी साहित्यमे लार्क (LARK) या स्काइलार्क (SKYLARK) केर ओहने महत्त्व अछि जेहेन मैथिली सहित आन भारतीय वाङ्गमयमे चातकक अछि । प्राचीन अंग्रेजीक लार्क (LARK) शब्द जँ कोनहु आन शब्दक वा विशेषणक बिना आयल अछि तँऽ ओ वस्तुतः स्काइलार्क (SKYLARK) या यूरेसीय स्काईलार्क (EURASIAN SKYLARK) शब्दक परिचायक थिक । स्काइलार्क (SKYLARK) शब्दक प्रवेश अंग्रजीमे बादमे भेल अछि आ यूरेसीय स्काईलार्क (EURASIAN SKYLARK) शब्दक तँऽ बहुत बादमे । एखनहु सामान्य अंग्रेजी साहित्य मुख्यतः लार्क (LARK) या स्काइलार्क (SKYLARK) शब्दक प्रयोग पर्यायी स्वरूपमे करैत अछि जखनि कि यूरेसीय स्काईलार्क (EURASIAN SKYLARK) शब्दक प्रयोग मात्र जैववैज्ञानिक अंग्रेजी साहित्यसभमे होइत अछि ।


पाठकलोकनिसँ -

पहिल बात -

हम गलतीसँ पहिने हिन्दीक बया नामक चिड़ै केर मैथिली नाम बगेरी लीखि चुकल छी । कृपया ओहि गलतीकेँ क्षमा करी ताहि चिड़ै केर मैथिली नाम बगरी या बगड़ी पढ़ी ।


दोसर बात -

चातक चिड़ै केर पाद टिप्पणीमे (FOOT NOTE) हम लिखने रही जे,

अंग्रेजीक स्काइलार्क (SKYLARK) (Alauda spp.) चिड़ै केर मैथिली नाँओ एखनि धरि हमरा नञि बूझल अछि ।

ई लेखन भ्रमवश भेल छल । वास्तवमे आढ़ि-धूर-बान्ह आ बिजलीक ताड़ पर बैसल-दौगैत-कूदैत-उड़ैत बगेरी नामक जाहि चिड़ैकेँ हम देखने रही आ अपना छविकर्षण यंत्रसँ (CAMERA) छवि (PHOTO / SNAP) निकालने रही (ऊपर देल गेल पहिल चित्र) से आन संदर्भमे देल गेल स्काइलार्क (SKYLARK) केर छविसँ नञि मिलैत छल । बादमे अधिक आवर्धन (HIGHER ZOOM) बला छविकर्षण यंत्रसँ (NIKON COOLPIX - S700 CAMERA, 20X- ZOOM, 16.00 MEGAPIXELS) लेल गेल छविसभसँ (ऊपर देल गेल दोसर आ तेसर चित्र) ज्ञात भेल जे दुहु चिड़ै एक्कहि अछि आ अंग्रेजीक लार्क (LARK) या स्काइलार्क (SKYLARK) वास्तवमे मैथिलीक बगेरी या बगेड़ी थिक ।

कल्याणी कोशक अनुसार -

बगेड़ी = बगड़ा-सन एक खाद्य पक्षी = A TABLE BIRD = ORTOLAN, LARK (SHORT TOED)

कल्याणी कोश सेहो बगेड़ी (बगेरी) केर लेल अंग्रेजीमे LARK शब्दक प्रयोग कएल अछि हलाँकि ओ एहि शब्दसँ मात्र SHORT TOED LARK केर समावेश कएल अछि । पुनः SHORT TOED LARK दू तरहक होइत अछि -

·         GREATER SHORT TOED LARK (Calandrella brachydactyla)
·         LESSER SHORT TOED LARK (Calandrella rufescens)

संगहि-संग एहिमे ORTOLAN = ORTOLON BUNTING (Emberiza hortulana) नामक चिड़ै केर समावेश सेहो कएल गेल अछि । ई चिड़ै सेहो LARK या SKYLARK जेकाँ जमीनहि पर खोंता लगाबैत अछि ।

                                      जे हो, पर LARK नामक चिड़ै केर कोनहु प्रकार हो, ओकर मांसु केर खाद्यप्रयोग मिथिलहिमे नहि अपितु विश्वभरिमे प्रशिद्ध अछि । जखनि कि ORTOLON BUNTING नामक चिड़ै पिञ्जरामे पोषल जाइत अछि तथा ओकर मांसु खाद्यक रूपमे प्रायः नहिञे प्रयुक्त होइत अछि ।



मैथिली पाक्षिक इण्टरनेट पत्रिका विदेह केर ‍203म अंक (‍01 जून 2016) (वर्ष 9, मास 102, अंक ‍203) केर बालानां कृते स्तम्भमे प्रकाशित ।




No comments:

Post a Comment