Pages

मिथिलाक पर्यायी नाँवसभ

मिथिलाभाषाक (मैथिलीक) बोलीसभ

Powered By Blogger

Thursday 1 December 2011

पद्य - २६ - किए हँसबै छऽ मिथिला केर नाम भैय्या ?

किए हँसबै छऽ मिथिला केर नाम भैय्या ?
            (गीत)

होइ छऽ मिथिला केर कण कण निलाम भैय्या ।
कोना  तोँ   सभ  करै  छऽ  अराम   भैय्या ??
(मिथिलाक ऐतिहासिक व सांसकृतिक स्मारक वा साक्ष्य सभ - जकरा कि "विश्व धरोहड़ि" एवं "पर्यटक स्थल" होयबाक चाहैत छल - उपेक्षित अछि । कतहु महाविद्यालय, विश्वविद्यालय, सरकारी कार्यालय तऽ कतहु सरकारी आवास बनल अछि । कत्तहु मात्र अधिग्रहणक बोर्ड लगा कऽ छोड़ि देल गेल अछि । भारत व बिहार सरकारक एहि प्रकारक उदासीनता व दुर्व्यवहार सँ ई धरोहड़ि वा साक्ष्य सभ नाश भऽ रहल अछि । संगहि मिथिलाक गौरवशाली इतिहासक साक्ष्य सभ मेटाओल जा रहल अछि - मिथिलाक अन्दर सेहो आ बाहर सेहो।) 



होइ छऽ मिथिला केर कण कण निलाम भैय्या ।
कोना  तोँ   सभ  करै  छऽ  अराम   भैय्या ??

धरती ई जनकक आइ आहत पड़ल छऽ ।
तोरहि  सभ   केर   बाट  तकै   छऽ ।
कोना  बैसल  छऽ  मूनि  आँखि  कान भैय्या ?
कोना  तोँ   सभ  करै  छऽ  अराम   भैय्या ??

मिथिला केर माटि केर बोली लगै छऽ ।
खरिहानहि  पैसि, दुष्ट गोली दगै  छऽ ।
हृदय  मैथिलीक  भेलह  लहु – लुहान  भैय्या ।
कोना  तोँ   सभ  करै  छऽ  अराम   भैय्या ??

मिथिलाऽक नाँव बेचि गद्दी चढ़ै छऽ ।
पाछाँ सऽ  एकरहि  गर्दनि कटै छऽ ।
कतऽ   गेलह  तोऽहर  ओ   शान    भैय्या ?
कोना  तोँ   सभ  करै  छऽ  अराम   भैय्या ??

छीः छीः तोरा की लाजो ने होइ छऽ ।
कुक्कुर जेकाँ  अँइठ पातो  चटै छऽ ।
किए  हँसबै  छऽ  मिथिलाक   नाम   भैय्या ?
कोना  तोँ   सभ  करै  छऽ  अराम   भैय्या ??


विदेहपाक्षिक मैथिली इ पत्रिका, वर्ष , मास ४८, अंक ९५, ‍दिनांक - १ दिसम्बर २०११, स्तम्भ ३॰७ मे प्रकाशित ।

No comments:

Post a Comment