बिज्जी या सपनौर (बाल कविता)
ओ बिज्जी छै ! सपनौर
छै !
ओ छै बिज्जी ! सपनौर छिऐ !
की भेलह ? किए लड़ै छह तोँ सभ ?
जे बिज्जी, सएह सपनौर छै ।।*१
ओ बिज्जी छै ! सपनौर
छै !!
बाड़ी - झाड़ी सब घुमैत छै ।
भरि दिन बस दौड़िते रहैत छै ।
गाछ - बिरिछ नहिञे चढ़ैत छै ।*२
धरती पर किछु तँऽ ताकैत छै ।
जएह कहाबैछ बिज्जी एक ठाँ,
दोसर ठाँ सपनौर छै ।।
ओ बिज्जी छै ! सपनौर
छै !!
मांसुक भक्षक जीव छिऐ ओ ।
राति ने, दिनहिमे फिरैछ ओ ।*३
साँपहु केर भक्षण
करैछ ओ ।
गहुमनसँ सेहो ने डरैछ
ओ ।
कहबी − साँपक दुश्मन
बिज्जी,
सपलेउर - सपनौर छै ।।*४
ओ बिज्जी छै ! सपनौर
छै !!
एसिया, योरोप आओर अफ्रिका ।
छै जे कहाबैत पुरना - दुनिञा ।
ताहि ठामक छी वासी बिज्जी ।
नबका - दुनिञा लेल उड़कुस्सी ।*५
राष्ट्र - अमेरिकामे प्रतिबन्धित,
लऽ जायब सपनौर छै ।।*६
ओ बिज्जी छै ! सपनौर
छै !!
संकेत
आ किछु रोचक तथ्य -
*१ - दू टा धिया-पुता एक टा जीवकेँ देखि कऽ परस्पर
झगड़ि रहल छल । पहिलुकक कहब छल जे ओ जीव “बिज्जी” थिक आ दोसरक कहब छल कि “सपनौर” अछि । वास्तवमे ओ दुहु बच्चा / बच्ची सही छल कारण “बिज्जी” आ “सपनौर” दुहु एक्कहि जीवक पर्यायी नाँओ थिक
जकरा अंग्रेजी भाषामे MONGOOSE (Singular) (Plural - MONGOOSES / MONGEESE) कहल जाइत अछि । सपनौरहि केर एक टा
पाठभेद वा उच्चारभेद (PHOENETIC/PHONETIC
VARIANT) “सपलेउर” अछि ।
*२ - बिज्जी / सपनौर लुक्खी जेकाँ वृक्षाश्रयी (ARBOREAL) जीव नञि थिक ओ बिलेशय (TERRESTRIAL BURROW DWELLER) अर्थात बिलमे
रहनिहार प्राणी थिक ।
*३ - बिज्जी / सपनौर बिलेशय
प्राणी होइतहुँ मूस वा मुसरी (RAT/S & MOUSE/MICE) जेकाँ रातिचर (NOCTURNAL) प्राणी नञि
अछि; ओ दिनचर (DIURNAL) प्राणी अछि ।
*४ - बिज्जी / सपनौर अपन
किछु विशिष्ट शरीर रचना (यथा - मोट चाम) ओ शरीर क्रियाक (विशेषीकृत ACETYLCHOLINE RECEPTORS) कारणेँ साँपक (विशेषतः गहुमनक) विषक दुष्प्रभावसँ
सुरक्षित रहैत अछि । साँपसँ ओना तँऽ ईहो कतियाए कऽ निकलैत अछि मुदा सामना भेला पर
गहुमन (KOBRAS
& OTHER ELAPIDS) आ ओहि वर्गक
आन साँपकेँ मारि दैत अछि । वाइपर आ अजगर (VIPERS & BOAS) समूहक साँपसँ युद्ध भेला पर बहुधा
बिज्जी केर हारि होइत अछि आ ओ मारल जाइत अछि । आम धारणाक विपरीत एहि जीवकेँ साँपक
मांसु खएबाक प्रति कोनहु विशेष रुचि नञि होइत अछि ।
*५ - यूरेसिया (यूरोप आ एसिया) तथा अफ्रिका महादेशकेँ
पुरना दुनिञा (OLD WORLD) आ उतरबारी तथा
दछिनबारी अमेरिका महादेशकेँ नवका दुनिञा (NEW WORLD) कहल जाइत अछि । बिज्जी पुरना दुनिञाक
मूल निवासी (NATIVE
SPECIES) अछि आ नबका दुनिञामे प्राकृतिक रूपसँ नञि पाओल जाइत
अछि । तेँ नबका दुनिञाक लोकक लेल ओ एकटा विचित्र वा आश्चर्यजनक जीव अछि ।
*६ - बिज्जीकेँ साँप आदिसँ घऽरक सुरक्षाक उद्देश्यसँ
किछु लोक पोषितहु छथि । उतरबारी अमेरिका महादेशक (NORTH AMERICA CONTINENT) संयुक्त राज्य अमेरिका (USA) नामक देशमे बिज्जीकेँ लऽ जाएब प्रतिबन्धित अछि ।
मैथिली पाक्षिक
इण्टरनेट पत्रिका “विदेह” केर 205म अंक (01 जुलाई 2016) (वर्ष 9, मास 103, अंक 205) केर “बालानां कृते” स्तम्भमे प्रकाशित ।
No comments:
Post a Comment