Pages

मिथिलाक पर्यायी नाँवसभ

मिथिलाभाषाक (मैथिलीक) बोलीसभ

Powered By Blogger

Monday 25 January 2016

पद्य - ‍१४५ - भेम्ह या भम्हरा (बाल कविता)

भेम्ह या भम्हरा (बाल कविता)




कारी भेम्ह,  कारी भेम्ह,  भम्हरा  हमरे  नाम  छी ।
हम तँऽ होइ छी आनो रंगक, चर्चित बहुते श्याम छी ।।*

हमहूँ मधुमाक्षी - बिढ़नी सनि, सामाजिक छी  प्राणी ।
हम ने काटी  अनेरो ककरो,  करी ने हम  मनमानी ।।

हमरो समाजमे  श्रमिक रहैछ,  नेतृत्व करैतछि रानी ।
हमर आकार पैघ बहुते छी,  नञि बिढ़नी केर सानी ।।*

भम्-भम् केर सुन्नर आबाज छी हम्मर नामक कारण ।
हमर पंख केर गतिसँ निकसए, ई आबाज मनभाओन ।।*

कारी पर  पीयर,  नारंगी,  लाल  या  उज्जर  धारी ।
कखनो  फेंट - फाँट  रंगक  आ  कखनो अगबे कारी ।।*

मधुमाक्षी सनि  हमहूँ फूलक,  रसहिं  बस  पीबै छी ।
पी - पराग मदमस्त रही, आ अपनहि धुनिमे रहै छी ।।

पर जँ केओ  हमरा खोंतामे,  करइछ  जाए  उकाठी ।
नानी याद  अवश्ये आओतीह,  तकरा जँ हम काटी ।।

मधुमाक्षी आ आन बन्धु सनि,  हमहूँ  करी परागण ।*
फूले-फूले विचरए सटि कऽ, कतेक परागक  मधुकण ।।


संकेत आ किछु रोचक तथ्य -

* - अपना दिशि आ अपना दिशि केर वाङ्गमयमे अगबे कारी रंगक भेम्ह बड़ प्रशिद्ध थिक । पर संसारमे भेम्हक बहुत रास प्रजाति भेटैत अछि जकर रंग निम्न प्रकारेँ भऽ सकैछ -
·        एकवर्णी कारी,
·        कारी रंगक देह पर पीयर नारंगी या उज्जर रंगक धारी या धब्बा बला,
·        पीयर या उज्जर रंगक देह पर कारी धारी या धब्बा बला

* - मधुमाक्षी (-छी) आ बिढ़नी जेकाँ भेम्हक हरेक झुण्ड या छत्तामे एक टा रानी भेम्ह (QUEEN BUMBLE BEE), किछु पुरुष या नर भेम्ह (DRONE/S BUMBLE BEE) आ बहुत रास श्रमिक या मजूर भेम्ह (LABOUR BUMBLE BEE) रहैत अछि ।

* - इएह अबाज केर कारण प्रायः हरेक भाषामे एकर नामकरण भेल अछि ।

* - भेम्ह सेहो फूलक रस चूसैत अछि । फूलक रस चूसबा काल फूलक पराग कण (POLLEN GRAINS) ओकरा शरीरक विभिन्न भागसँ सटि कऽ एक फूलसँ दोसर फूल पर पहुँचि जाइत अछि । एहि तरहक परागण(POLLINATION) प्रक्रियाकेँ कीट-परागण (ENTOMOPHILY)  कहल जाइत अछि । कीट-परागण वस्तुतः पर-परागणक (CROSS POLLINATION) एक प्रकार छी ।



मैथिली पाक्षिक इण्टरनेट पत्रिका विदेह केर ‍194म अंक (‍15 जनबरी 2016) (वर्ष 9, मास 97, अंक ‍194) केर बालानां कृते स्तम्भमे प्रकाशित ।




No comments:

Post a Comment