Pages

मिथिलाक पर्यायी नाँवसभ

मिथिलाभाषाक (मैथिलीक) बोलीसभ

Powered By Blogger

Monday 25 January 2016

पद्य - ‍१४६ - नीलकण्ठ या असली नीलकण्ठ (बाल कविता)

नीलकण्ठ या असली नीलकण्ठ
(बाल कविता)



रॉबिन  छी  नीलकण्ठ, आरसँ  होइए रॉबिन*
नञि योरोप केर आ ने अमेरिकी, इण्डियन रॉबिन ।।*

हे  असली नीलकण्ठ !  अहाँ  जा  कतऽ  छी बैसल ।
लोक  कहैतछि  जतरा   शुभ,  जँ  अहाँकेँ   देखल ।।

बहुतहु  लोक  बिसरि   बैसल अछि,  अहँक  रूपकेँ ।
भ्रममे  बूझए  नीलकण्ठ,  कोनहु    आन   भूपकेँ ।।*

नीलकण्ठ  जे शब्द,  स्वयं  ओ  परिचय  दैतछि ।
शेष  काय  छै  आन  रंग,  ग्रीव   नील  कहैतछि ।।

एक तरफ  सब  कहथि,  अलोपित  नीलकण्ठ छै ।
सुलभ सिरौली  देखि कहए,  इएह  नीलकण्ठ छै ।।*

केहेन  विरोधाभास  छै  पसरल,  एहि   दुनिञामे ।
जएह  बजैछ,  उनटे करैछ,  सब  एहि  दुनिञामे ।।

नीलकण्ठमे  कण्ठ - नील,  बस नर केर  होइतछि ।
तेँ शायद  हिन्दू - समाज,  शिव-रूप  बुझैतछि ।।*

साँझक   गोधूलि - बेलामे,   अक्सर  भेटैत  छल ।
जतरा  प्रात, तेँ  जतरा - दर्शन,  शुभ बुझैत छल ।।*



संकेत आ किछु रोचक तथ्य -

* - आरसँ होइए रॉबिन = “R” for “ROBIN”

* - अंग्रेजीक रॉबिन (ROBIN) शब्द बहुत व्यापक अछि जाहिमे योरोपीय रॉबिन (EUROPEAN ROBIN), अमेरिकी रॉबिन (AMERICAN ROBIN), इण्डियन रॉबिन (INDIAN ROBIN) आ इण्डियन ब्ल्यू रॉबिन (INDIAN BLUE ROBIN) समाविष्ट अछि । मात्र इण्डियन रॉबिन (INDIAN ROBIN)  केर किछु जाति वा प्रजाति (SPECIES / SUB-SPECIES) नीलकण्ठक श्रेणीमे अबैत अछि कारण कि ओकर कण्ठ नील रंगक (INDIGO / INDIGO BLUE / ROBIN-BLUE)  होइछ आ शेष शरीर कारी, गाढ़ भूरा वा आन रंगक रहैछ इण्डियन ब्ल्यू रॉबिन (INDIAN BLUE ROBIN) सेहो नीलकण्ठ नञि अछि किएक तँऽ ओकर पूरा शरीर नीला होइत अछि, नञि कि कण्ठमात्र । एहि सन्दर्भमे भारतीय नील वा लील शब्द आ अंग्रेजीक ब्ल्यु शब्द पर विचार सेहो परमावश्यक अछि -
·        BLUE (in British Eng.) - प्राचीन भारतमे वा सही रूपेँ कही तँऽ आइसँ ३०-४० वर्ष पहिने इएह अंग्रेजी सम्पुर्ण भारत मे बाजल आ बूझल जाइत छल । एहि अंग्रेजीमे -

§  INDIGO = नील (तत्सम) वा लील (तद्भव) रंग
§  BLUE = आसमानी रंग या स्वच्छ आकाशक रंग
§  यथा इन्द्रधनुषक वर्णपट्टमे (SPECTRUM  OF  VISIBLE  LIGHT) देखू VIBGYOR = बैनीआहपीनाला अर्थात  INDIGO = नीला BLUE = आसमानी

·        BLUE (in American Eng.) = पछिला करीब ५० साल सँ धीरे-धीरे अमेरिकी अंग्रेजीक प्रचार-प्रसार बढ़ल अछि । इण्टरनेटक प्रसारक संग-संग अमेरिकी अंग्रेजी सम्पुर्ण भारतमे पसरि गेल अछि आ ओ ब्रिटिश अंग्रेजीकेँ धकिआए बैसल अछि । अमेरिकी अंग्रेजीमे -

§  BLUE = नील ओ नीलाभ समस्त रंगक परिचायक
§  ब्रिटिश अंग्रेजीक INDIGO = अमेरिकी अंग्रेजीक INDIGO-BLUE / ROBIN-BLUE
§  ब्रिटिश अंग्रेजीक BLUE = अमेरिकी अंग्रेजीक SKY-BLUE / LIGHT-BLUE = आसमानी
§  अमेरिकी अंग्रेजीमे MARINE-BLUE / OCEAN-BLUE = समुद्री नील या हरिताभ नील
§  अमेरिकी अंग्रेजीमे AQUA-BLUE / MARINE = नीलाभ हरियर, आदि ।

इएह कारण शब्दार्थमे बहुत बेर भ्रम केर स्थिति उत्पन्न भऽ जाइत अछि । तहिना नीलकण्ठ संगे सेहो भेल अछि । नीलकण्ठक नील रंगकेँ ब्रिटिश अंग्रेजीक अनुसार INDIGO बुझबाक चाही आ अमेरिकी अंग्रेजीक अनुसार INDIGO-BLUE / ROBIN-BLUE, तखन कोनहु भ्रम नञि होयत । दोसराक वा दोसर भाषामे कयल गेल अनुवादकेँ सीधे मैथिलीमे नञि उतारि देबाक चाही ।

* - लोक सभ (आ किछु अनुवादक लोकनि सेहो) नील माने आसमानी या चटक नील (फिरोजी) मानि एकटा दोसर चिड़ैकेँ - जकरा मैथिलीमे सिरौली (सिरोली नञि) कहल जाइत अछि - प्रबल रूपसँ नीलकण्ठ वा लीलकण्ठ मानए लगलाह अछि । ई भ्रम इण्टरनेट पर पसरल भ्रमक कारण बहुत तेजीसँ अपन जड़ि जमा चुकल अछि ।

* - अलोपित = एहि ठाम दुर्लभ अर्थमे, नञि कि विलुप्त अर्थमे प्रयुक्त ।  एक दिशि कहल जाइत अछि कि नीलकण्ठ केर दर्शन आब दुर्लभ अछि (खास कऽ मिथिलामे) आ  दोसर दिशि सर्वसुलभ दर्शन देनिहार सिरौली केर पहिचान नीलकण्ठक रूपमे करबैत छी - से कोना ? रॉबिनक ओ प्रकारसब जे नीलकण्ठक श्रेणीमे अबैत अछि से पहिने पूरा भारतमे भेटैत छल आब उत्तर भारत दिशि बहुत कम भऽ गेल अछि ।

*- मात्र पुरुष वा नर नीलकण्ठक कण्ठ केर रंग नील होइत अछि । स्त्री वा मादा नीलकण्ठ गौर वर्णक (रंगक) होइत अछि ।

*नीलकण्ठ प्रायः साँझखन (सूर्यास्तक समयसँ किछु पहिने; गोधूलि बेलामे) उड़ैत कीड़ासभकेँ खएबाक लेल बिजलीक ताड़ पर या कोनहु गाछक पछबरिया ठाढ़िसभ पर बैसल देखल जाइत छल ।


मैथिली पाक्षिक इण्टरनेट पत्रिका विदेह केर ‍194म अंक (‍15 जनबरी 2016) (वर्ष 9, मास 97, अंक ‍194) केर बालानां कृते स्तम्भमे प्रकाशित ।


No comments:

Post a Comment