Pages

मिथिलाक पर्यायी नाँवसभ

मिथिलाभाषाक (मैथिलीक) बोलीसभ

Powered By Blogger

Monday 25 January 2016

पद्य - ‍१४‍० - हँसुआ दाबी (बाल कविता)

हँसुआ दाबी (बाल कविता)




बड़की टा  केर  चिड़ै  उड़ै  छै,
नाम तँऽ  हँसुआ दाबी  छै
लोलक  किछु छी  बात विशेषें,
नाम  तेँ  हँसुआ दाबी  छै ।।

जञो  राखी  सोझाँमे  परस्पर,
दू   टा   कचिया  - हाँसूकेँ ।
बिनु   दाँतक  लागत   जेहेन,
बूझू  लोल  छै  ‘दाबी’  केर ।।*

नाँओ  पहिल बेर  सुनल, भेल
एहनो  होइतछि  की   नाम ?
गौरसँ  देखल,  तखन  बुझल,
वाह !  केहेन  सुन्नर  नाम ।।

पर  हँसुआ-दाबी  किछु एहनो,
लोल जकर  दुहु  सटल रहैछ ।
किछु तँऽ एक्कहि रंग देखबामे,
किछु विशेष ओ  अलग रहैछ।।*

पड़ती - जमकल पानि,  नहरि,
वा  पोखरि - डबरा   कातमे ।
पैघ  गाछ  पर  झुण्डे - झुण्डे,
रहैछ    बाद     बरसातमे ।।*

ठण्ढी - शीतलहरी  पछाति ओ,
धीरे - धीरे  कम भऽ जाइछ ।
कादो - पानि सुखाए जाइत छै,
तेँ कत्तहु अन्तऽ चलि जाइछ ।।*




संकेत आ किछु रोचक तथ्य -

* - हँसुआ दाबीक दुनु लोल बाहर सँ भीतर दिशि हल्का मुड़ल रहैत अछि, तेँ बन्न भेलाक बादहुँ बीचमे कने रिक्त वा खाली स्थान रहि जाइत अछि । देखला पर एहेन सनि लगैत अछि जे दू गोट कचिया हाँसू (जकर भीतरी भागमे दाँत नञि हो) परस्पर सोझाँ राखल हो । लोलक इएह गुण एहि चिड़ै केर मैथिली नामकरणक कारण बनल होयत । लोलक इएह गुणक कारण अंग्रेजीमे ओ ऑपेन बिल्ल्ड स्टॉर्क (OPEN BILLED STORK) कहबैत अछि ।

* - हँसुआ दाबीक लोलक ई विशिष्ट स्वरूप बाल्यावस्थासँ नञि रहैत अछि । बाल्यावस्थामे बन्न भेला पर ओकर दुहु लोल परस्पर सटि जाइत अछि । लोलमे एहि तरहक वक्रता (अन्तर्वक्रता) किशोरावस्थामे विकसित होइत अछि आ जीवनपर्यन्त रहैत अछि । अंग्रेजीक स्टॉर्क कहाबए बला किछु आओर जाति-प्रजाति जे देखबामे हँसुआ-दाबी सनि लगैत अछि पर जकर लोलकेँ बन्न भेला पर बीचमे रिक्त स्थान नञि रहैछ, सेहो मैथिलीक हँसुआ-दाबीक अन्तर्गत आबैत अछि । यथा - व्हाईट स्टॉर्क (WHITE STORK) आदि ।

* - ई बरसातक अन्तिम समयमे बहुत संख्यामे अपना दिशि देशक आन भाग ओ विदेशसँ अबैत अछि । ऊँच-ऊँच गाछ सभ पर खोंता बनबैत अछि आ पोखरि, डबरा, खत्ता, नहरि, नदीक कछेड़ अथवा कोनहु चऽर-चाँचरि जतऽ पानि जमकल हो आदि ठाम पर झुण्डक-झुण्ड देखाई देत । ओ कीड़ा-मकोड़ा, बेङ्ग आदि खाइत अछि परञ्च डोका (PILA) ओकरा बड़ पसिन्न छै । डोकाकेँ खएबाक लेल प्रायः ओ डोकाक खोलकेँ (कवचकेँ) तोड़ैत नञि अछि । ओ अपन लोलक विशिष्ट आकार आ संरचनाक मदतिसँ खोलकेँ (CONK SHELL / EXOSKELETON) बिना तोड़नहि डोकाक मूँह लऽग पकड़ि भितरुका कोमल भागकेँ बाहर झीकि लैत अछि ।

* - बेशी ठण्ढी वा शीतलहरी केर बाद अपना दिशि क्रमशः जलाशयक पानि कम होमए लगैत अछि, कादो बला स्थान केर कम भेलासँ हँसुआ-दाबी आ एहि तरहक आन चिड़ै लेल भोजनक प्रतिद्वन्द्विता बढ़ि जाइत अछि । तेँ ओ सभ आन जगह पर पलायन कऽ जाइत अछि । पर तइयो पुर्ण अलोपित नञि होइत अछि, थोड़-बहुत सलो भरि देखल जा सकैत अछि ।
यद्यपि अपना ओहि ठाँ मात्र एशियाई ऑपॅन बिल्ल स्टार्क (ASIAN OPENBILL STORK) पाओल जाइत अछि पर अफ्रिकी ऑपॅन बिल्ल स्टार्क (AFRICAN OPENBILL STORK) सेहो मैथिलीक “हँसुआ दाबी” नामक चिड़ै केर अन्तर्गत आओत ।




मिथिलाक किछु स्थान पर हँसुआ दाबी केँ घोंघफोड़ा सेहो कहल जाइत अछि जे एकर डोका आ घोंघाक प्रति सिनेहक परिचायक थिक पर वास्तविकतामे हँसुआ दाबी डोकाकेँ फोड़ि कऽ (CRUSH) नञि खाइत अछि ।


मैथिली पाक्षिक इण्टरनेट पत्रिका विदेह केर ‍194म अंक (‍15 जनबरी 2016) (वर्ष 9, मास 97, अंक ‍194) केर बालानां कृते स्तम्भमे प्रकाशित ।


No comments:

Post a Comment