Pages

मिथिलाक पर्यायी नाँवसभ

मिथिलाभाषाक (मैथिलीक) बोलीसभ

Powered By Blogger

Monday 18 July 2016

पद्य - ‍२०६ - ब्राह्मिणी मएना या बभनी मएना (बाल कविता)

ब्राह्मिणी मएना या बभनी मएना (बाल कविता)




घर - आङ्गन नहिञे भेटैत अछि ।
लोकहु कहाँ  बेसी चिन्हैत अछि ?? *

कण्ठ सिरौली सनि  लागैत अछि ।
पीयर - नील  लोल शोभैत अछि ।।*

भारत   ओ   नेपाल   फिरैतछि ।
देश   पड़ोसी   सेहो   घुमैतछि ।।*

माथ पर  कारी  शिखा  रहैतछि ।
तेँ ब्राह्मिणी मएना  कहबैतछि ।।*

कीड़ा - मकोड़ा - फऽड़ चिखैतछि ।
फूलक रस ओ  सेहो  पिउबैतछि ।।*

ढाक आ सिम्मर  फूल  रुचैतछि ।
मएनासँ − से नञि  पटैत अछि ।।*





संकेत आ किछु रोचक तथ्य -

* - ब्राह्मिणी मएना घऽर-आङ्गनमे प्रायः नहिञे देखाइ दैत अछि आ तेँ अपना दिशि घऽर आङ्गन धरि रहएबला लोकसभ बेसीतर एकरा नञि चिन्हैत छथि आ जञो चिन्हबहु करैत छथि तँऽ नाम नञि जनैत छथि । ई चिड़ै खेत-पथाड़ आ पड़ती चऽड़-चाँचरमे बेसी देखाइ दैत अछि । तेँ जे लोक खेतीक क्रममे वा माल-जाल चड़एबाक लेल वा घास कटबाक लेल बाध-बोन जाइत रहैत छथि ताहिमेसँ किछुए लोक नामसँ एकरा चिन्हैत छथि ।

* - एकर लोलक (BEAK / BILL) आगाँ दिशि पीयर आ पाछाँ दिशि गाढ़ नील रंगक होइत अछि । एकर गर्दनि केर अगिला भागक केसक रंग ओ केसक विन्यास सिरौली (नकली नीलकण्ठ) नामक चिड़ैसँ मिलैत अछि ।


* - ई चिड़ै भारत ओ नेपालक स्थायी निवासी (RESIDENT BREEDER) अछि । मुदा पाकिस्तानक सिन्ध प्रदेश धरि भेटैछ । ओ ठण्ढीक समयमे श्रीलंकामे आ गर्मीक समयमे हिमालयक अपेक्षाकृत ऊँच क्षेत्र धरि सेहो देखल जा सकैत अछि ।

* - एकर माथक उपरुका रंग गाढ़ कारी आ गर्दनि ओ देहक रंग बदामी-पीयर (BUFFY CREAM COLOUR) होइत अछि । माथक उपरुका कारी रंगक भाग आकारमे तिकोण होइत अछि जे कि देखबामे ब्राह्मणक शिखा (गोखुर आकृतिक टीक) सनि लागैत अछि ।



ओना तँऽ माथपर एहि तरहक कारी भाग प्रायः सभ मएनाकेँ रहैत अछि पर एहि मएनाक देहक रंग बदामी-पीयर होयबाक कारण एकर शिखा दूरहिसँ स्पष्ट देखबामे आबैत अछि । इएह साम्य - वैशिष्ट्य संस्कृत, मैथिली, हिन्दी ओ आन भारतीय भाषामे एकर विभिन्न नामक कारण थिक । एकर जैववैज्ञानिक वा प्राणीशास्त्रीय नाँओ सेहो इएह आधारसँ प्रभावित अछि ।

**- ई चिड़ै कीड़ा-मकोड़ा आ फऽल तँऽ खाइतहि अछि मुदा, किछु पैघ फूलक मकरन्द सेहो चूसैत अछि । एहि परिप्रेक्ष्यमे ई साधारण मएनासँ भिन्न अछि मुदा, सिरोलीसँ (सिरोली मएनासँ) मिलैत अछि । पैघ लाल फूल जेना कि पलाश (Butea monosperma), सिम्मर (Bombax ceiba syn. Salmalia malabarica) आ पारिभद्र (Erythrina variegata) आदिक फूलक परागक ई चिड़ै बेसी प्रेमी अछि ।



मैथिली पाक्षिक इण्टरनेट पत्रिका विदेह केर ‍205म अंक (‍01 जुलाई 2016) (वर्ष 9, मास 103, अंक ‍205) केर बालानां कृते स्तम्भमे प्रकाशित ।



No comments:

Post a Comment