Pages

मिथिलाक पर्यायी नाँवसभ

मिथिलाभाषाक (मैथिलीक) बोलीसभ

Powered By Blogger

Sunday 29 January 2017

पद्य - ‍२‍२‍‍१ - कुहेस (कविता)

कुहे(कविता






कुहेस ।
एखनहु धरि लगलहि अछि ।
हटि रहल शनैः शनैः ।
मुदा, एखनहु धरि लगलहि अछि ।।

मैथिलीक अस्तित्व पर लागल कुहेस ।
मिथिलाक मानचित्र पर लागल कुहेस ।
मैथिलक मैथिल होएबा पर लागल कुहेस ।
छँटि रहल शनैः शनैः ।
मुदा, एखनहु धरि लगलहि अछि ।।

बिकास कए रहल अछि ई राज्य ।
विकाश कए रहल अछि अपन देश ।
मिथिलाक ऊपर सरिपहुं घनगर कुहेस ।
फाटि रहल शनैः शनैः ।
मुदा, एखनहु धरि लगलहि अछि ।।

अगनित पीढ़ीसँ चलि रहल ओ प्रश्न ।
ओएह भात - रोटी - भुखमरीक प्रश्न ।
ओएह उच्चतर नीक शिक्षाक प्रश्न ।
सृजन करैछ नित कुहेस ।
तेँ, एखनहु धरि लगलहि अछि ।।




मैथिली पाक्षिक इण्टरनेट पत्रिका विदेह केर ‍219म अंक (‍01 फरबरी 2017) (वर्ष 10, मास 110, अंक ‍219) केर पद्य स्तम्भमे प्रकाशित ।




No comments:

Post a Comment