Pages

मिथिलाक पर्यायी नाँवसभ

मिथिलाभाषाक (मैथिलीक) बोलीसभ

Powered By Blogger

Friday, 21 November 2014

पद्य - ९५ - प्रदूषण (कविता)

प्रदूषण
ध्वनि - प्रदूषण केर एकटा उदाहरण

वायु - प्रदूषणक एकटा उदाहरण



प्रकर्षेण दूषित  सभ किछु थिक,  अनारोग्य केर जननी ।
ई दैवक नञि छी प्रकोप, छी मनुक्खक अपनहि करनी ।।

कोनहु बस्तु जञो  गन्दा भऽ गेल,  दूषित ओ कहबैत’छि ।
प्रकर्षेण मतलब अतिशय अछि, सीमा – हद जनबैत’छि ।।

सीमासँ   बेसी   अबाज  जञो,   कहबै  ध्वनिक  प्रदूषण ।
ऊँच सुनब, अनुनाद – नाद, बाधिर्य एकर अछि लक्षण ।।

दुषित हवा  जञो  साँस लेल  तँऽ,  साँसक होएत  बेमारी ।
दमा – एलर्जी   आओर  पता  नञि,  की – की महामारी ।।

दुषित पानि  पिउबा सँ जे सब, होइत’छि से बुझले अछि ।
पेट खड़ाब आ हैजा पेचिश,  सभटा  देखले–सुनले अछि ।।

मृदा – भूमि   सेहो   दूषित  भऽ,  बहुते  करैछ   समस्या ।
कऽलक  पानि आ खेतक उपजा,  माहुर सनक अभक्ष्या ।।

रेडियोधर्मी  अछि  पदार्थ   जञो,  विकिरण करय प्रदूषण ।
धरा – पानि  तँऽ  दूषित  अछिए,  सीधे   मारक    लक्षण ।।

एखनहुँ  जँ  संसार  ने  चेतत,   बदलत  नञि  निज करनी ।
हाथ  ने  किछु  बाँचत  भविष्यमे,  अपन दशा पर कननी ।।



'विदेह' १६७ म अंक ०१ नवम्बर २०१४ (वर्ष ७ मास ८३ अंक १६५) मे प्रकाशित ।


Sunday, 24 August 2014

मिथिलाक तीर्थ- बर्थ ओ पर्यटन स्थल - ‍‍६ --- अहिल्या स्थान, अहियारी, दरभंगा

अहिल्या स्थानक (अहियारी) किछु दृष्य
(जिला – दरभंगा)

Photo © Dr. Shashidhar Kumar “Videha”
चित्र ©  डॉ॰ शशिधर कुमर ““विदेह”




























Sunday, 1 June 2014

पद्य - ९४ - मिथिलाक्षर सीखू (कविता)

मिथिलाक्षर सीखू





यौ मैथिल !  मिथिलाक्षर सीखू ।
        मिथिलाभाषा   तिरहुतेँ  लीखू ।
           हम कहलहुँ,  हम सीख लेने छी,  अहाँ  कहै  छी  फेरो  सीखू ।।


“मिथिलाक्षर अभ्यास पुस्तिका”, आ  “ मिथिलाक्षर  शिक्षा ” ।
पढ़लहुँ,  सीखलहुँ,  लीखए  लगलहुँ,  जे   वैदेहीक   इच्छा ।
क – ख – ग - घ  सभहक  एक्के,  पर किछु वर्णक अन्तर ।
पर   सभसँ   दिक्कत  करैत   छल,  मात्रा  - संयुक्ताक्षर ।
          अहँ कहलहुँ ओ हस्तलिखित छल, टाइप – प्रिण्ट सभ सेहो सीखू ।
          हम कहलहुँ,  हम सीख लेने छी,  अहाँ  कहै  छी  फेरो  सीखू ।।


मरणासन्न   “लिपि - वैदेही”,   सभकेओ   चाहथि  जीबए ।
पर जञो  एतेक रास  संशोधक,  ककर उचित – की सीखए ?
“झा बाबू”  नेपालसँ   अयलाह,  “मिथिला”  फॉण्टकेँ   नेने ।
“पाण्डेयजी”  भारतसँ  गरजलाह,  “तिरहुता”  हम छी  धेने ।
          “मिथिला  आवाज”क  किछु  अलगेँ,  ककर  सही – की  सीखू ?
          हम कहलहुँ,  हम सीख लेने छी,  अहाँ  कहै  छी  फेरो  सीखू ।।


ह्रस्व - मात्रा    मिथिलाक्षरमे,    धरइछ    बहुते    रूप ।
संगहि    संयुक्ताक्षर   बहुधा,    धएने    रूप    अनूप ।
ऊपरसँ   नित   नव   संशोधन,   एकक  दस – दस रूप ।
शिक्षार्थीसभ    असमंजसमे,   बैसल    छथि   सभ  चूप ।
          सोचि  रहल  छी - रहए दियौ,  ई  व्यर्थक  झंझटि  दूरे  फेंकू ।
          हम कहलहुँ,  हम सीख लेने छी,  अहाँ  कहै  छी  फेरो  सीखू ।।


तीन  तिरहुतिया  तेरह  पाक, आ मुण्डे – मुण्डे मतिर्भिन्ना ।
ककरो केओ सूनए – नञि राजी,  अपनहि बजबए तक्धिन्ना ।
हम  कहैत  छी - सुनू  भाइ  यौ,  अपनहिमे  बैसार  करू ।
एक फॉण्ट सहमतिसँ चूनू, बाद प्रचार – प्रसार करू ।
          तखने  मृत – सञ्जिवनी  भेँटत,  नञि तँऽ  तिरहुता मुइले बूझू ।
          हम कहलहुँ,  हम सीख लेने छी,  अहाँ  कहै  छी  फेरो  सीखू ।।





01 JUNE 2014  कऽ प्रकाशनार्थ “मिथिलाञ्चल टुडे” केर सम्पादकीय कार्यालयकेँ प्रेषित; तत्पश्चात (मिथिलांचल टुडेक अनियमित प्रकाशनक कारणेँ) 27 DEC. 2014  कऽ प्रकाशनार्थ “मिथिला दर्शन” केर सम्पादकीय कार्यालयकेँ प्रेषित ।



Tuesday, 29 April 2014

मिथिलाक तीर्थ- बर्थ ओ पर्यटन स्थल - ‍‍७ --- भण्डारि सञो (उच्चारण - भण्डाइर सोँ), दरभंगा

भण्डारि सञो - श्री ‍१०८ बाणेश्वरी मन्दिरक किछु दृष्य
(संस्कृतः- भण्डारि सम - श्री ‍१०८ वाणेश्वरी मन्दिरम्)
(जिला – दरभंगा)

Photo © Dr. Shashidhar Kumar “Videha”
चित्र ©  डॉ॰ शशिधर कुमर ““विदेह”