ओजोन
|  | 
| ३ टा ऑक्सीजन परमाणुसँ बनल ओजोनक अणु (प्रदर्श) | 
ओजोन – ओजोन बड्ड सुनै छी,
की थिक कने बताउ ।
सुनलहुँ बहुते किछु नञि बुझलहुँ,
हमरो किछु समझाउ ।।
एक तत्त्व थिक गैस रूपमे,
नाँव जकर ऑक्सीजन ।
दू परमाणुक युतिक अणु जे,
से परिचित ऑक्सीजन ।
गाछ-बिरिछ सभ जन्तु मनुक्खो,
इएह  साँसमे  लैत’छि ।
गाछ बिरिछ पुनि आन क्रियामे,
ऑक्सीजन  छोड़ैत’छि
।
ऑक्सीजन केर त्रिपरमाणुक,
युतिसँ बनल  ओजोन ।
साँस लेबा केर ऑक्सीजनसँ,
बिल्कुल अलग ओजोन ।
जँ एतबा धरि समझि गेलहुँ,
तँऽ  आगू  बात   बढ़ाउ ।
नञि बुझलहुँ - तँऽ सेहो बाजू,
की दिक्कत कतऽ बताउ ।।
|  | 
| पृथिवीक वायुमण्डलक ४ पड़त वा स्तर (क्षोभ-, मध्य-, समताप- व तापमण्डल) तथा बाहरी अन्तरिक्ष वा बाह्यमण्डल (रेखाचित्र) | 
|  | 
| पृथिवीक वायुमण्डलक ४ पड़त वा स्तर (क्षोभ-, मध्य-, समताप- व तापमण्डल) तथा समतापमण्डलक उपड़ी सीमा पर स्थित "ओजोन पड़त वा ओजोन स्तर) (रेखाचित्र) | 
तापक्रमक घट-बढ़ अनुसारेँ,
चारि पड़त वायुमण्डल केर ।
आन विशिष्ट गुणक आधारेँ,
   उपविभाग
पुनि हर मण्डल केर ।
पहिल क्षोभ, समताप फेर,
आ  मध्य-ताप
तेसर-चारिम ।
समतापक  उपरी सीमा  पर,
घटना  एक  घटय  बंकिम
।
सूर्यकिरण केर एक घटक जे,
पराबैगनी  किरण
 कहाबय ।
तकरा अवशोषित कऽ एहि ठाँ,
ऑक्सीजन ओजोन बनाबय ।
ओजोनक  ई  जन्म - प्रक्रिया,
सुनि  कऽ ने
अनठाउ ।
ई घटना  नञि थिक  मामूली,
मुँहकेँ जुनि  बिचकाउ ।।
|  | 
| ऑक्सीजन आ ओजोनक अणु - परमाणुक निर्माण ओ विखण्डनक अनवरत परञ्च सन्तुलित प्रक्रिया | 
ई ओजोन रहय ओहि ठाँ,
ने  ऊपर –
नीचाँ   जाय ।
पातड़ सन स्तर बनबय, से
ओजोन   पड़त   कहाय
।
छत्ता सन धरती पर तानल,
ओ जीवन रक्षक बनइछ ।
दुष्ट पराबैगनी किरण केर,
ई सद्यः  भक्षक बनइछ ।
टूटय – बनय – पुनः टूटय,
ओजोनक अणु  निरन्तर ।
सन्तुलित निर्माण – ध्वंश,
तेँ बुझि ने पड़इछ अन्तर ।
पराबैगनी  अछि   गुनधुनमे,
भीतर  कोना
कऽ जाउ ।
ओजोनक   अभेद्य   दुर्गमे,
कोना कऽ सेन्ह लगाउ ।।
एतबामे मानव विकाश केर,
शंखनाद    सौंसे
  भेलै ।
औद्योगिक विकाशक परचम,
ओजोनहु   पर   फहरेलै
।
सी॰एफ॰सी॰ छल सेनापति,
ओ ओजोनक संहार केलक।
भूर बना ओजोन पड़तमे,
दुष्ट किरणकेँ बाट देलक ।
पराबैगनी जा धरती पर,
डी॰एन॰ए॰ पर घात करय ।
डी॰एन॰ए॰ गुणसूत्र जीवनक,
तकरे संग  उत्पात
करय ।
कर्करोग  त्वक् सँ  सम्बन्धित,
बाढ़त  से
बुझि जाउ ।
जल-थल-नभ-ऋतुचक्र एखनुका,
बदलत एकदम बाउ ।।
|  | 
| अण्टार्कटिका महादेशक (महाद्वीपक) ऊपर बनल ओजोन - भूर | 
जँ भविष्यमे नञि चाही,
एहेन सन किछु बदलाव ।
बन्न करू हर एक घटक,जनि 
सी॰एफ॰सी॰  सन
 भाव ।
प्रशीतक ए॰सी॰ आ फ्रीज केर,
तत्क्षण  बदलल   जाए ।
प्रणोदक-रॉकेट ईन्धन केर,
हो   उपयुक्त 
 उपाय ।
एखनहु चेतब तँऽ बर्षो धरि,
क्षतिपुर्तिमे     लागत ।
जँ विलम्ब कनिञो होएत तँऽ,
हमसभ होएब अभागल ।
विकसित राष्ट्र सक्षम अधिभारक,
तेँ  अधिभार  उठाउ ।
अन्य राष्ट्र बिनु मुँह बिचकओने,
निज दायित्व निभाउ ।।
'विदेह' १६७ म अंक ०१ नवम्बर २०१४ (वर्ष ७ मास ८३ अंक १६५) मे प्रकाशित ।
 


 
 
No comments:
Post a Comment