पोथी
समीक्षा – “मैथिली माध्यमिक रसायन भाग - १”
“मैथिली माध्यमिक
रसायन भाग - १” – लेखक डॉ॰
प्रेम मोहन मिश्रजीक मैथिली मे प्रकाशित विज्ञानक दोसर पुस्तकाकार
कृति थिक । हुनक पहिल पोथी “मैथिली अकार्बनिक
गुणात्मक विश्लेषण” मैथिली भाषामे विज्ञान
विषय पर प्रकाशित हमरा जनैत पहिल पुस्तक अछि । एहि बीच मैथिलीमे विज्ञान विषयक एक
गोट आन पोथी प्रकाशित भेल “हमरा बीच विज्ञान” जकर लेखक छथि डॉ॰ धीरेन्द्र कुमार झाजी आ ई पुस्तक साहित्य अकादमी, नव
दिल्लीसँ 2013 केर मैथिली बाल साहित्य सम्मानक लेल चयनित भेल अछि । एकर उल्लेख एहि ठाम
अकारण नञि बल्कि सन्दर्भवश भेल अछि । “हमरा बीच विज्ञान” पुस्तकमे विज्ञानक विविध विषयादि पर लेखकक लेख ओ वार्त्ता
संकलित अछि जखनिकि डा॰ प्रेम मोहनजीक दुहु पुस्तक मैथिलीमे रसायन विज्ञानक पाठ्य-पुस्तक
छी । ई दुहु पाठ्य-पुस्तक कोनो सरकारी संस्था द्वारा नञि लिखबाओल गेल अछि अपितु
लेखकक स्वतःस्फुर्त प्रेरणाक परिणाम अछि । डा॰ प्रेम मोहनजीक पहिल विज्ञान विषयक पुस्तक
यद्यपि ग्राहकलोकनिक जेबीसँ कैंचा नञि निकालि सकल तथापि हुनक लगन परास्त नञि भेल आ
हुनक दोसर पुस्तक सेहो प्रकाशित भेल आ अपनेसभक सोझाँ अछि । ई लेखकक अगाध
मैथिलीप्रेमक परिचायक थिक ।
“मैथिली माध्यमिक रसायन भाग
- १” नवम् वर्गक छात्र – छात्रालोकनिक लेल लिखल गेल अछि आ तेँ कोनहु ने कोनहु
पाठ्यक्रमक अनुसरण आवश्यक । आ चुँकि मैथिल छात्र – छात्रालोकनिक अध्ययन – सहभागिता
एकाधिक पाठ्यक्रममे अछि, तेँ ई पुस्तक “बिहार बोर्ड”, “सी॰बी॰एस॰ई॰ बोर्ड” आ “एन॰सी॰ई॰आर॰टी॰” केर पुस्तकक पाठ्यक्रमसभक दिशानिर्देश लऽ कऽ लिखल गेल अछि ।
सम्पुर्ण पोथी 82 पृष्ठक अछि आ पोथीकेँ पाँच एकाईमे बाँटल
गेल अछि । पहिल एकाई अछि “हमर चारू कातक पदार्थ” । एहिमे पदार्थक
सामान्य परिचयक संग-संग ओकर वर्गीकरण तथा त्रिविध पदार्थक (माने कि – ठोस, द्रव आ
गैसक) सामान्य गुण – धर्म केर चर्च अछि । एकर अतिरिक्त एहिमे प्रसरण वा विसरण,
पदार्थक अवस्था पर ताप ओ दबावक प्रभाव, गुप्त ऊष्मा तथा वाष्पीकरण आदि भौतिक
प्रक्रियासभक वर्णन अछि । एहि एकाई मे बोस-आईंस्टीन कंडेनसेट तथा हिग्स-बोसोन
पार्टिकल या गॉड पार्टिकल सन आधुनिकतम जानकारी सेहो देल गेल अछि ।
दोसर एकाईक नाँव थिक “की हमर चारूकातक पदार्थ शुद्ध अछि ?” – जाहिमे रासायनिक
संरचनाक आधार पर पदार्थक वर्गीकरण कएल गेल अछि । एहि प्रकारेँ छात्र व
छात्रालोकनिकेँ एहि एकाईमे तत्त्व, यौगिक, मिश्रण, धातु, अधातु, घोर आदि चिर-परिचित
शब्दसभ भेटतन्हि । ओकरसभक गुण आ पारस्परिक अन्तर एहि एकाईमे वर्णित अछि । भौतिक ओ
रासायनिक परिवर्तनमे अन्तर सेहो एहि ठाम भेटत । संगहि मिश्रणक अवयवसभक पृथक्करणक
तरीका सभ सेहो एहि मे देल गेल अछि ।
तेसर एकाई अछि “परमाणु आ अणु” । एहि एकाईक नामे
सभ किछु कहि रहल अछि । एहिमे विभिन्न तरहक परमाणु सिद्धांतसँ लऽ कऽ अणु, आयन,
यौगिक, मोल व रासायनिक समीकरणक सामान्य जानकारी पढ़बा लेल भेटत ।
चारिम एकाई भेल “परमाणु संरचना”, जाहिमे नामानुरूपेँ विभिन्न परमाणु
मॉडलसभ (थॉमसन मॉडल सँ बोर-बरी योजना धरि) तथा संगहि परमाणु संख्या, द्रब्यमान
संख्या, संयोजकता, समस्थानिक व समभारिक आदिक वर्णन सरल मैथिली भाषामे वर्णित अछि ।
पाँचम ओ अन्तिम एकाईक नाँव अछि “प्राकृतिक सम्पदा” ।
ई एकाई पर्यावरण विज्ञान वा भूगोलक बुझना जाइछ परञ्च विभिन्न पाठ्यक्रमक
(सिलेबसक) अनुसारेँ एहि ठाम ई एकाई जोड़ल गेल अछि – कारण पर्यावरण विज्ञानक विषय होइतहुँ एहि एकाईक विषयबस्तु बहुत
किछु रसायनशास्त्र पर अवलम्बित अछि । एहिमे प्राकृतिक सम्पदाक प्रकार (स्थल, जल ओ
वायुमण्डल), वायुमण्डलक महत्त्व, बरखा, विभिन्न प्रकारक प्रदूषण ओ तकर कारण आदि
वर्णित अछि । एकर अतिरिक्त विभिन्न प्रकारक जैव-रासायनिक चक्रसभ (जेना कि – जलीय
चक्र, नाइट्रोजन चक्र, कार्बन चक्र, ऑक्सीजन चक्र आदि), ओजोन परत, ओ हरियर घर
प्रभाव (ग्रीन हाउस इफेक्ट) तथा वैश्विक ऊष्मीकरण आदि गूढ़ विषय अप्पन भाषा
मैथिलीमे पढ़बाक हेतु भेटत ।
पोथीक भाषा
अत्यन्त सरल मैथिली अछि । हरेक परिभाषिक शब्दकेँ पहिने तँऽ स्पष्ट परिभाषा देल गेल
अछि आ तकर बादे आन प्रकारक सम्बन्धित वर्णन देल गेल अछि । विज्ञान विषयक पोथी थिक तेँ भाषा पाण्डित्यपुर्ण-क्लिष्ट
नञि भऽ कऽ सरल व सामान्य मैथिली अछि । पोथीक ई सभ विशेषता एकरा रुचिकर ओ स्पष्ट
बुझबा योग्य बनबैत अछि । हरेक पारिभाषिक शब्द वा प्रक्रियाक मैथिली नाँवक संग
कोष्ठमे ओकर अंग्रेजी शब्द सेहो देल गेल अछि, जाहिसँ छात्र-छात्रालोकनिकेँ
भविष्यमे एहि विषयसभ पर छपल कोनो अंग्रेजी लेख वा पोथीकेँ पढ़बाकाल असौकर्य नञि
होन्हि । हरेक एकाईक अन्तमे ओहि एकाईसँ सम्बन्धित महत्त्वपुर्ण तथ्यसभ देल गेल अछि
तथा संगहि अभ्यासक लेल प्रश्न सेहो । ई दुहु वैशिष्ट्य पाठकलोकनिकेँ प्रतियोगिता
परीक्षासभमे सहायक होएतन्हि ।
संसारक कोनो बस्तु सर्वगुण संपन्न नञि भऽ सकैत अछि आ तेँ ई
पोथी सेहो । समीक्षक वा समालोचकक कर्त्तव्य थिक कि समीक्ष्य विषयक धनात्मक ओ
ऋणात्मक दुहु पक्षकेँ ऊजागर करथु । एहि पोथीमे बहुतेक स्थानपर कर्मकारक ओ
सम्बन्धकारकक विभक्ति चिह्न (क्रमशः “केँ” आ “केर”) परस्पर बदलि गेल
अछि । किछु स्थान पर ठेठ मैथिलीक पारिभाषिक शब्दसभक प्रयोग भेल अछि (जेना कि – Solution केर लेल घोर, पृष्ठ –
23 पर) – ई नीक बात ।
परञ्च अन्यत्र किछु जगह हिन्दी शब्द ऊकरू लगैछ, यथा – Heap शब्द लेल “ढेरी” प्रयुक्त नञि भऽ कऽ “ढ़ेर” शब्द प्रयोग भेल अछि । एहिना एकाई पाँचमे जे विभिन्म चक्रसभक वर्णन
अछि ओहि संगहि जँ रेखाचित्र सेहो रहैत तँऽ पाठकलोकनिकेँ समझबामे आओर ओकरासभकेँ याद
रखबामे विशेष सुविधा होएतन्हि ।
उपरोक्त
किछु कमीसभ केर रहितहुँ पोथी प्रशंसनीय आ पठनीय अछि । सरल मैथिलीक प्रयोगसँ
बोधगम्य अछि । संगहि सुन्दर आकर्षक मुखपृष्ठ तथा स्पष्ठ छपाई पढ़बाक उत्कण्ठाकेँ
बढ़बैछ । रसायनशास्त्रक छात्र-छात्रा तथा शिक्षकलोकनिसँ निवेदनहि नञि अपितु पुर्ण
आशा अछि जे ओ एहि पोथीकेँ पढ़ि कऽ लाभान्वित होथि आ संगहि लेखककेँ प्रोत्साहित
करथु कि ओ भविष्यमे एहि पोथीमे आओरो निखार आनथि । आ एतबहि नञि ओ मैथिलीमे आओरो विज्ञान
विषयक पोथीसभक रचना आ प्रकाशन कऽ सकथि ।
समीक्षित पोथीक नाँव – मैथिली माध्यमिक रसायन भाग १
लेखक – प्रो॰(डॉ॰) प्रेम मोहन मिश्र
प्रकाशक – ब्रिलिएण्ट प्रकाशन, अशोक राजपथ, पटना – ४
प्रकाशन वर्ष – २०१२
दाम – ८० टका मात्र ।
समीक्षकः-
डॉ॰ शशिधर कुमर
ग्राम – रुचौल (दुलारपुर – रुचौल)
पो॰- मकरमपुर
No comments:
Post a Comment