Pages

मिथिलाक पर्यायी नाँवसभ

मिथिलाभाषाक (मैथिलीक) बोलीसभ

Powered By Blogger

Tuesday 16 May 2017

पद्य - २३८ - गिरगिट (बाल कविता)

गिरगिट (बाल कविता)






गिरगिट छेँ की ?
रंग बदलै छेँ खनें - खनें ।
गिरगिट केहेन ??
सोचए बच्चा मनें - मनें ।।*

वन-उपवन बाड़ी-झाड़ी, सभ ठाँ भेटैत अछि ।
ठण्ढीक भोरमे बैसल, ओ  रौदा  सेकैत अछि ।
घऽरमे  भेटैछ,
भेटैछ संगहि  रणे - बने ।*
गिरगिट छेँ की ?
रंग बदलै छेँ खनें - खनें ।।

पहिने रंग रहए जे चामक, चट दऽ बदलल ।
या रंगक विन्यास सकल, आमूलहि बदलल ।
देखि अचंभित,
चकित आँखि छै कने-कने ! *
गिरगिट छेँ की ?
रंग बदलै छेँ खनें - खनें ।।

गोहि आओर सनगोहि, भाए छी गिरगिट केर ।
मुदा पैघ ने, ओतेक  काय छी  गिरगिट केर ।
जीह निकालि कऽ,
पकड़ए कीड़ा क्षणें - क्षणें ।*
गिरगिट छेँ की ?
रंग बदलै छेँ खनें - खनें ।।





संकेत आ किछु रोचक तथ्य -

* - गिरगिट शब्दक अर्थ मैथिलीमे बहुत व्यापक अछि जे अपना आपमे सामान्य गिरगिट, ठिकठिकिआ / घरैया गिरगिट, गोहि, सनगोहि, डाइनोसॉर आदि सभकेँ समाहित करैत अछि । मैथिलीक गिरगिटक तुलना अंग्रेजीक LIZARD शब्दसँ कए सकैत छी जाहिमे COMMON GARDEN LIZARD, CHAMELEON आदि सभ आबैत अछि । गिरगिट शब्दसँ अमेरिकी महाद्वीपक  IGUANA नामक सरिसृपक केर सेहो बोध कहल जा सकैत अछि, हलाँकि ओ सामान्य गिरगिटसँ ओ बहुतहु बातमे भिन्न अछि । परिवेश वा इच्छानुसार चामक रंग बदलबाक गुण कमोबेश हर गिरगिटमे होइत अछि मुदा चमेलिओनाइडी / केमेलिओनाइडी कुल (Family - Chamaeleonidae; Eng. - Chameleons) केर गिरगिट सभमे ई गुण बहुत अधिक विकसित भेल अछि । चुँकि, मैथिलीमे ठिकठिकिआ, गोहि, सनगोहि आदि शब्द पुर्णतः परिभाषित अछि तेँ एकरा सभकेँ छोड़ि शेष सम्बन्धित प्राणीक लेल हम एहि ठाम गिरगिट शब्दक प्रयोग कएल अछि

* - सरिसृप वर्गक प्राणि होएबाक कारणेँ गिरगिट सेहो शीतरक्तीय प्राणी अछि आ तेँ ठण्ढीक समएमे भोरुका पहर रौद सेकैत आरामसँ देखल जा सकैत अछि ।

* - गिरगिट रंग बदलबामे माहिर होइत अछि । ओ अपन चामक रंग ओ रंगक विन्यास अपना आस - पासक परिवेशक अनुसार क्षण भरिमे बदलि लैत अछि । ओना तँऽ बहुत रास समुद्री जीवमे ई गुण पाओल जाइत अछि, मुदा धरती पर आ ओहो मनुक्खक आवास क्षेत्र केर आस - पास गिरगिटहि एहिमे सभसँ कुशल होइत अछि । जीव विज्ञानमे एहि तरहक घटनाकेँ छलावरण या छद्मावरण (CAMOUFLAGE) कहल जाइत अछि । ई छद्मावरण दू तरहेँ गिरगिटकेँ सुरक्षा प्रदान करेत हछि - पहिल तँऽ वातावरणक रंगमे स्वयंकेँ दुश्मनक नजरिसँ नुकाए लैत अछि आ दोसर आक्रामक रंग परिवर्तन कए प्रतिद्वन्दीकेँ डेराए दैत अछि ।

* - गिरगिटक जीह बेङ्ग जेकाँ होइत अछि आ मूँहसँ बाहर शिकार पर दागल जाइत अछि । जीह केर अगिला भाग शिकारकेँ अपन लसलस लेरमे सटाए मुँहक भीतर नेने जाइत अछि ।

क्र॰
सं॰
जीवक मैथिली नाम
अंग्रेजी नाम
विशिष्ट गुण
गिरगिट
LIZARDS (Including CHAMELEONS
& IGUANAS & OTHERS)
·        रंग बदलबामे कुशल
·        बहुतहु गिरगिटक जीहक संरचना कार्य-शैली बेङ्ग जेकाँ होइछ
ठिकठिकिआ
(ठिकठिकिया) / घरैया गिरगिट
COMMON HOUSE GECKOES / HOUSE LIZARDS
·        रंग बदलबामे बेसी कुशल नञि
·        खतरा पड़ला पर नाङ्गरिक पछिला भागक त्याग करैछ
गोहि
MONITOR LIZARDS  / VARANUSES (Including KOMODO DRAGONS)
·        साँप जेकाँ द्विभाजित जीह
·        गिरगिटसँ पैघ आकार
·        रंग बदलबाक गुण नञि
सनगोहि
GOLDEN / YELLOW MONITOR LIZARD
·        गोहि केर एक प्रकार
·        चामक रंग किछु पीताभ सनि होइछ आ अपना दिशि पाओल जाइछ


मैथिली पाक्षिक इण्टरनेट पत्रिका विदेह केर ‍225म अंक (‍01 मई 2017) (वर्ष 10, मास 113, अंक ‍225) केर बालानां कृते स्तम्भमे प्रकाशित ।



No comments:

Post a Comment