Pages

मिथिलाक पर्यायी नाँवसभ

मिथिलाभाषाक (मैथिलीक) बोलीसभ

Powered By Blogger

Thursday 16 August 2018

स्व. अटल बिहारी वाजपेई / वाजपेयी - श्रद्धाञ्जलि

।। स्व. अटल बिहारी वाजपेयीजी - एकटा मैथिलक सादर, विनम्र श्रद्धांजलि ।।




छलाह मंत्री - प्रधान,  बात अपना जगह ।
राजसम्मान - मान - दान,  अपना जगह ।
हम छी मैथिल, हमर मनमे हुनिकर स्थान,
राजनीतिसँ अलग,  थीक अपना जगह ।।

दल - खेमा - विपक्ष - पक्ष, अपना जगह ।
छाप छोड़ल  स्पष्ट  नीक,  अपना  जगह ।
हम छी  मैथिली अकिञ्चन,  हमर नोरपर,
ध्यान देलन्हि, से बात दीव, अपना जगह ।।

भेलै सौंसे बिकास साँच,  अपना  जगह ।
तकनीकीक बताह नाँच,  अपना  जगह ।
हम छी मिथिला,  आँचरक  फाटल नुआ,
सीबि देलन्हि ओ, भाव से, अपना जगह ।।

                  - डॉ. शशिधर कुमर "विदेह"

अकिञ्चन मैथिलीक नोर पोछब

मिथिलाक फाटल आँचरकेँ सिअब (सिउब)


"विदेह - मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका" केँ आगामी अंकमे एहि कविताक प्रकाशनक अधिकार प्रदत्त ।