Pages

मिथिलाक पर्यायी नाँवसभ

मिथिलाभाषाक (मैथिलीक) बोलीसभ

Powered By Blogger

Thursday 29 September 2016

पद्य - ‍२‍१‍१ - जगुआर (बाल कविता)

जगुआर (बाल कविता)




जगुआरक  मतलब  नञि  चीता,
ओ तँऽ  आनहि  जीव छी ।
किछु-किछु तेन्दुआ सनि देखबामे,
मुदा ओ आनहि जीव छी ।।*

तेसर   पैघ   बिलाड़ि   अछैतहु,
बहुतहि  ओ  शक्तिशाली ।
छोट  मुदा  सुगठित   काय  छै,
फुर्ती छै  सब पर  भारी ।।

छोट  मुदा  खूब  मोट  पएर छै,
बड़ छै  पएरक  मजगूती ।
मगर - काछुकेँ  चीड़ि  सकैतछि,
दाँतक  ततबा  मजगूती ।।*

हरीन आदि प्राणिक बुझलहि अछि,
पैघ बिलाड़ि शिकार करैछ ।
साँप - मगर - कछुआ सरिसृप जे,
तकरहु ने जगुआर छोड़ैछ ।।*

दिनचर छी,  रातिचर  सेहो  ओ,
जखन मोन, शिकार करैछ ।*
नबका दुनिञा  केर  बासी  अछि,
दच्छिन-माँझ विहार करैछ ।।*

तेन्दुआ आओर बिलाड़ि जेकाँ ओ,
आसानीसँ  गाछ   चढ़ैछ ।
पानि हेलि कऽ  ओ बाघहि सनि,
नदी - धारकेँ  पार करैछ ।।

जगुआरेट आमेजन  घाटीक,
भाषा   केर   छी   शब्द ।
तकरहिसँ जगुआर बनल अछि,
अंग्रेजीक   नञि    शब्द ।।*

अहँसभकेँ जँ फुरए नऽव किछु,
कही    मैथिली     नाम ।
ता धरि जगुआरहि मिथिलामे,
एहि  जीवक  भेल  नाम ।।*




संकेत आ किछु रोचक तथ्य -

* - आइ - काल्हि जगुआर या जैग्युआर (JAGUAR) शब्द श्रव्य ओ दृश्य माध्यम (AUDEOVISUAL MEDIA) पर बेसी चर्चित भऽ गेल अछि आ कतेकहु बेर ओकर भ्रामक अर्थ चीता धिया-पुतसभकेँ बताओल जाइत अछि । मुदा से नञि, चीता ओ जगुआर दूनू दू जन्तु अछि - एकदम भिन्न । चीता पुरना दुनिञाक (एसिया ओ अफ्रिका महादेशक) मूल निवासी अछि जखनि कि जगुआर नबका दुनिञाक (दछिनबारी ओ उतरबारी अमेरिका महादेशक) मूल निवासी । जगुआर सम्पुर्ण दछिनबारी अमेरिका आ उतरबारी अमेरिकाक माँझ ओ दछिनबारी भागक वन्य क्षेत्रमे पाओल जाइत अछि । जगुआर बहुत किछु तेन्दुआ सनि लागैत आछि, मुदा तेन्दुआसँ सेहो भिन्न अछिजगुआरक चाम पर बनल कारी घेरेबाक बीचमे एकटा कारी बुनका रहैत अछि पर, तेनुआमे से नञि । बाँकी, आन अन्तरसभ तँऽ अछिअहि ।

* - जगुआर बिलाड़ि कुलमे (Family - FELIDAE) आकार ओ भारक अनुसारेँ तेसर (क्रमशः बाघ ओ सिंहक बाद) सभसँ पैघ सदस्य अछि मुदा ताहि अनुरूपेँ ओ बहुत शक्तिशाली होइत अछि । बिलाड़ि कुलक आन कोनहु सदस्य मगर ओ काछु केर शिकार नञि करैत अछि मुदा जगुआर अपन शक्तिशाली श्वदन्त दाँत (CANINE TEETH) हन्वास्थिक (MANDIBLE) बलेँ मगरक मजगूत खाल ओ कछुआक मजगूत खोलकेँ चीड़ि दैत अछि

* - बाघ, सिंह आ तेनुआ मुख्यतः रातिचर होइत अछि जखनि कि चीता दिनचर । मुदा जगुआर दिनचर ओ रातिचर दूनू होइत अछि, मतलब कि ओ दिन ओ राति दूनू समय समान रूपेँ शिकार करबामे सक्षम अछि आ शिकार करैत अछि ।

* - अंग्रेजीक जगुआर शब्द आमेजन घाटीक क्षेत्रीय भाषाक शब्द जगुआरेट सँ लेल गेल अछि आ तेँ एहि ठाम मैथिलीमे सेहो हम ओहि शब्दक यथावत प्रयोग कयल अछि । मैथिलीमे जगुआर विदेशज श्रेणीक शब्द भेल ।


मैथिली पाक्षिक इण्टरनेट पत्रिका विदेह केर ‍210म अंक (‍15 सितम्बर 2016) (वर्ष 9, मास 105, अंक ‍210) केर बालानां कृते स्तम्भमे प्रकाशित ।




No comments:

Post a Comment