Pages

मिथिलाक पर्यायी नाँवसभ

मिथिलाभाषाक (मैथिलीक) बोलीसभ

Powered By Blogger

Tuesday 25 February 2014

मिथिलाक तीर्थ- बर्थ ओ पर्यटन स्थल - ‍८ --- बिस्फी (मधुबनी)

बिस्फी श्री विद्यापति जन्मस्थलीक किछु दृष्य
(जिला – मधुबनी)

Photo © Dr. Shashidhar Kumar “Videha”
चित्र ©  डॉ॰ शशिधर कुमर ““विदेह”




















पोथी समीक्षा – “मैथिली माध्यमिक रसायन भाग - ‍१”




पोथी समीक्षा – मैथिली माध्यमिक रसायन भाग - ‍१





          मैथिली माध्यमिक रसायन भाग - ‍१ – लेखक डॉ॰ प्रेम मोहन मिश्रजीक मैथिली मे प्रकाशित विज्ञानक दोसर पुस्तकाकार कृति थिक । हुनक पहिल पोथी मैथिली अकार्बनिक गुणात्मक विश्लेषण मैथिली भाषामे विज्ञान विषय पर प्रकाशित हमरा जनैत पहिल पुस्तक अछि । एहि बीच मैथिलीमे विज्ञान विषयक एक गोट आन पोथी प्रकाशित भेल हमरा बीच विज्ञानजकर लेखक छथि डॉ॰ धीरेन्द्र कुमार झाजी आ ई पुस्तक साहित्य अकादमी, नव दिल्लीसँ 2013 केर मैथिली बाल साहित्य सम्मानक लेल चयनित भेल अछि । एकर उल्लेख एहि ठाम अकारण नञि बल्कि सन्दर्भवश भेल अछि । हमरा बीच विज्ञानपुस्तकमे विज्ञानक विविध विषयादि पर लेखकक लेख ओ वार्त्ता संकलित अछि जखनिकि डा॰ प्रेम मोहनजीक दुहु पुस्तक मैथिलीमे रसायन विज्ञानक पाठ्य-पुस्तक छी । ई दुहु पाठ्य-पुस्तक कोनो सरकारी संस्था द्वारा नञि लिखबाओल गेल अछि अपितु लेखकक स्वतःस्फुर्त प्रेरणाक परिणाम अछि । डा॰ प्रेम मोहनजीक पहिल विज्ञान विषयक पुस्तक यद्यपि ग्राहकलोकनिक जेबीसँ कैंचा नञि निकालि सकल तथापि हुनक लगन परास्त नञि भेल आ हुनक दोसर पुस्तक सेहो प्रकाशित भेल आ अपनेसभक सोझाँ अछि । ई लेखकक अगाध मैथिलीप्रेमक परिचायक थिक ।

            “मैथिली माध्यमिक रसायन भाग - ‍१”  नवम् वर्गक छात्र – छात्रालोकनिक लेल लिखल गेल अछि आ तेँ कोनहु ने कोनहु पाठ्यक्रमक अनुसरण आवश्यक । आ चुँकि मैथिल छात्र – छात्रालोकनिक अध्ययन – सहभागिता एकाधिक पाठ्यक्रममे अछि, तेँ ई पुस्तक बिहार बोर्ड”, “सी॰बी॰एस॰ई॰ बोर्ड एन॰सी॰ई॰आर॰टी॰ केर पुस्तकक पाठ्यक्रमसभक दिशानिर्देश लऽ कऽ लिखल गेल अछि ।

          सम्पुर्ण पोथी 82 पृष्ठक अछि आ पोथीकेँ पाँच एकाईमे बाँटल गेल अछि । पहिल एकाई अछि हमर चारू कातक पदार्थ । एहिमे पदार्थक सामान्य परिचयक संग-संग ओकर वर्गीकरण तथा त्रिविध पदार्थक (माने कि – ठोस, द्रव आ गैसक) सामान्य गुण – धर्म केर चर्च अछि । एकर अतिरिक्त एहिमे प्रसरण वा विसरण, पदार्थक अवस्था पर ताप ओ दबावक प्रभाव, गुप्त ऊष्मा तथा वाष्पीकरण आदि भौतिक प्रक्रियासभक वर्णन अछि । एहि एकाई मे बोस-आईंस्टीन कंडेनसेट तथा हिग्स-बोसोन पार्टिकल या गॉड पार्टिकल सन आधुनिकतम जानकारी सेहो देल गेल अछि ।

           दोसर एकाईक नाँव थिक की हमर चारूकातक पदार्थ शुद्ध अछि ? जाहिमे रासायनिक संरचनाक आधार पर पदार्थक वर्गीकरण कएल गेल अछि । एहि प्रकारेँ छात्र व छात्रालोकनिकेँ एहि एकाईमे तत्त्व, यौगिक, मिश्रण, धातु, अधातु, घोर आदि चिर-परिचित शब्दसभ भेटतन्हि । ओकरसभक गुण आ पारस्परिक अन्तर एहि एकाईमे वर्णित अछि । भौतिक ओ रासायनिक परिवर्तनमे अन्तर सेहो एहि ठाम भेटत । संगहि मिश्रणक अवयवसभक पृथक्करणक तरीका सभ सेहो एहि मे देल गेल अछि ।

         तेसर एकाई अछि परमाणु आ अणु । एहि एकाईक नामे सभ किछु कहि रहल अछि । एहिमे विभिन्न तरहक परमाणु सिद्धांतसँ लऽ कऽ अणु, आयन, यौगिक, मोल व रासायनिक समीकरणक सामान्य जानकारी पढ़बा लेल भेटत ।

          चारिम एकाई भेल परमाणु संरचना”, जाहिमे नामानुरूपेँ विभिन्न परमाणु मॉडलसभ (थॉमसन मॉडल सँ बोर-बरी योजना धरि) तथा संगहि परमाणु संख्या, द्रब्यमान संख्या, संयोजकता, समस्थानिक व समभारिक आदिक वर्णन सरल मैथिली भाषामे वर्णित अछि ।

      पाँचम ओ अन्तिम एकाईक नाँव अछि प्राकृतिक सम्पदा ।  ई एकाई पर्यावरण विज्ञान वा भूगोलक बुझना जाइछ परञ्च विभिन्न पाठ्यक्रमक (सिलेबसक) अनुसारेँ एहि ठाम ई एकाई जोड़ल गेल अछि – कारण पर्यावरण विज्ञानक विषय होइतहुँ एहि एकाईक विषयबस्तु बहुत किछु रसायनशास्त्र पर अवलम्बित अछि । एहिमे प्राकृतिक सम्पदाक प्रकार (स्थल, जल ओ वायुमण्डल), वायुमण्डलक महत्त्व, बरखा, विभिन्न प्रकारक प्रदूषण ओ तकर कारण आदि वर्णित अछि । एकर अतिरिक्त विभिन्न प्रकारक जैव-रासायनिक चक्रसभ (जेना कि – जलीय चक्र, नाइट्रोजन चक्र, कार्बन चक्र, ऑक्सीजन चक्र आदि), ओजोन परत, ओ हरियर घर प्रभाव (ग्रीन हाउस इफेक्ट) तथा वैश्विक ऊष्मीकरण आदि गूढ़ विषय अप्पन भाषा मैथिलीमे पढ़बाक हेतु भेटत ।

         पोथीक भाषा अत्यन्त सरल मैथिली अछि । हरेक परिभाषिक शब्दकेँ पहिने तँऽ स्पष्ट परिभाषा देल गेल अछि आ तकर बादे आन प्रकारक सम्बन्धित वर्णन देल गेल अछि ।  विज्ञान विषयक पोथी थिक तेँ भाषा पाण्डित्यपुर्ण-क्लिष्ट नञि भऽ कऽ सरल व सामान्य मैथिली अछि । पोथीक ई सभ विशेषता एकरा रुचिकर ओ स्पष्ट बुझबा योग्य बनबैत अछि । हरेक पारिभाषिक शब्द वा प्रक्रियाक मैथिली नाँवक संग कोष्ठमे ओकर अंग्रेजी शब्द सेहो देल गेल अछि, जाहिसँ छात्र-छात्रालोकनिकेँ भविष्यमे एहि विषयसभ पर छपल कोनो अंग्रेजी लेख वा पोथीकेँ पढ़बाकाल असौकर्य नञि होन्हि । हरेक एकाईक अन्तमे ओहि एकाईसँ सम्बन्धित महत्त्वपुर्ण तथ्यसभ देल गेल अछि तथा संगहि अभ्यासक लेल प्रश्न सेहो । ई दुहु वैशिष्ट्य पाठकलोकनिकेँ प्रतियोगिता परीक्षासभमे सहायक होएतन्हि ।

         संसारक कोनो बस्तु सर्वगुण संपन्न नञि भऽ सकैत अछि आ तेँ ई पोथी सेहो । समीक्षक वा समालोचकक कर्त्तव्य थिक कि समीक्ष्य विषयक धनात्मक ओ ऋणात्मक दुहु पक्षकेँ ऊजागर करथु । एहि पोथीमे बहुतेक स्थानपर कर्मकारक ओ सम्बन्धकारकक विभक्ति चिह्न (क्रमशः केँकेर) परस्पर बदलि गेल अछि । किछु स्थान पर ठेठ मैथिलीक पारिभाषिक शब्दसभक प्रयोग भेल अछि (जेना कि – Solution केर लेल घोर, पृष्ठ – 23 पर) – ई नीक बात । परञ्च अन्यत्र किछु जगह हिन्दी शब्द ऊकरू लगैछ, यथा – Heap  शब्द लेल ढेरी”  प्रयुक्त नञि भऽ कऽ ढ़ेर”  शब्द प्रयोग भेल अछि । एहिना एकाई पाँचमे जे विभिन्म चक्रसभक वर्णन अछि ओहि संगहि जँ रेखाचित्र सेहो रहैत तँऽ पाठकलोकनिकेँ समझबामे आओर ओकरासभकेँ याद रखबामे विशेष सुविधा होएतन्हि ।

        उपरोक्त किछु कमीसभ केर रहितहुँ पोथी प्रशंसनीय आ पठनीय अछि । सरल मैथिलीक प्रयोगसँ बोधगम्य अछि । संगहि सुन्दर आकर्षक मुखपृष्ठ तथा स्पष्ठ छपाई पढ़बाक उत्कण्ठाकेँ बढ़बैछ । रसायनशास्त्रक छात्र-छात्रा तथा शिक्षकलोकनिसँ निवेदनहि नञि अपितु पुर्ण आशा अछि जे ओ एहि पोथीकेँ पढ़ि कऽ लाभान्वित होथि आ संगहि लेखककेँ प्रोत्साहित करथु कि ओ भविष्यमे एहि पोथीमे आओरो निखार आनथि । आ एतबहि नञि ओ मैथिलीमे आओरो विज्ञान विषयक पोथीसभक रचना आ प्रकाशन कऽ सकथि ।

समीक्षित पोथीक नाँव – मैथिली माध्यमिक रसायन भाग ‍१
लेखक – प्रो॰(डॉ॰) प्रेम मोहन मिश्र
प्रकाशक – ब्रिलिएण्ट प्रकाशन, अशोक राजपथ, पटना – ४
प्रकाशन वर्ष – २०१२
दाम – ८० टका मात्र ।

समीक्षकः-
डॉ॰ शशिधर कुमर
ग्राम – रुचौल (दुलारपुर – रुचौल)
पो॰- मकरमपुर
जिला – दरिभंगा (मिथिला) 



मिथिलांचल टुडे (दिसम्बर २०‍१३ - जनबरी २०‍१४ अंक) मे प्रकाशित ।